Search

मैथिल छात्र-छात्रा लेल मुम्बई मे उच्च शिक्षा अध्ययनार्थ परामर्श सभा, उत्कृष्ट विद्यार्थीक भेलनि सम्मान

रवि कुमार मंडल, मुम्बई। २३ जून २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिल समाज सेवा संस्था द्वारा काल्हि २२ जून २०१९ तदनुसार शनि दिन आयोजित तेसर १०वीं ओ १२वीं कक्षाक छात्र‍-छात्रा सभक वास्ते उच्च शिक्षा सम्बन्धी परामर्श सभा राखल गेल छल। जाहि मे विज्ञ शिक्षाविद् लोकनि उपस्थित छात्र-छात्रा ओ अभिभावक लोकनि सँ १०वीं आ १२वीं कक्षाक बाद कोन विषय, कोन संकाय आ केहेन शिक्षण संस्थान केँ प्राथमिकता दैत आगू पढबाक चाही, बच्चा सब मे बहुमूखी प्रतिभाक विकास कोना होयत, पढाई सँ इतर आर व्यक्तित्व विकास लेल कि-कि उपाय अपनेबाक चाही, एहि सब विषय पर सारगर्भित विचार रखने छलाह। सत्र मे प्रश्न आ उत्तर सेहो राखल गेल छल।

१०वीं आ १२वीं केर बच्चा सब द्वारा प्राप्त कयल गेल उत्कृष्ट लब्धांक वास्ते हुनका लोकनिक सत्कार समारोह केर आयोजन मुबंई केर मीरा रोड के माउली हाॅल मे सम्पन्न भेल। ई सभा विशेष रूप सँ मैथिल छात्र-छात्रा आ अभिभावक केँ समेटिकय राखल गेल छल जाहि मे विज्ञजन लोकनि सेहो एक सँ बढिकय एक चिकित्सक, चार्टर्ड एकाउन्टेन्ट, एडवोकेट, प्राध्यापक, न्यायाधीश आ आइपीएस-आइएएस सब अपन अनुभव आ उत्साह बढाबयवला विचार रखलनि। ई सब लोकनि अपन अपन वक्तव्य सॅ बच्चा सब केँ समझेलैन। मुख्य अतिथिक रूप मे विधायक नरेंद्र मेहता छलाह। आयोजनकर्ता ललित झा आ हुनकर टीम छल। ललित झा स्वयं एक जानल-मानल चार्टर्ड एकाउन्टेन्ट आ मैथिली-मिथिलाक सर्वथा हित लेल प्रखर समाजसेवी सेहो छथि। एहि अवसर पर आयोजक संग मुम्बई केर विभिन्न संस्थाक गणमान्य नेतृत्वकर्ता, कलाकार, रंगकर्मी आ अभियन्ता लोकनिक उपस्थिति सेहो छल।

Related Articles