समाचार साभारः न्यूज १८ हिन्दी
मामिला कुशेश्वर स्थान थाना क्षेत्र केर उजुआ गाम केर थिक। जमीनी विवाद मे सहोदर जेठ भाइ सहित परिवारक चारि केँ कय देलक हत्या।
छोट भाइ द्वारा जेठ भाइ केर पूरा परिवार केँ गोली मारिकय कय देल गेल हत्या, ई छल कारण
News18 Bihar
Updated: June 21, 2019, 7:08 AM IST

प्रतीकात्मक फोटो
बिहार केर दरभंगा जिला मे एक सनसनीखेज खबरि सामने आयल अछि, जतय छोट भाइ द्वारा अपनहि सहोदर जेठ भाइ केर पूरा परिवार केँ गोली मारिकय हत्या कय देल गेल। एहि घटना सँ पूरा इलाका मे भय पसैर गेल अछि। सूचनाक बाद मौका पर पहुँचल पुलिस द्वारा लाश कब्जा मे लय पोस्टमार्टम लेल पठा देल गेल। संगहि मामिलाक जांच सेहो शुरू कय देल गेल अछि।
जमीनी विवाद मे देलक वारदात केँ अंजाम
जानकारी मुताबिक, मामिला कुशेश्वर स्थान थाना क्षेत्र केर उजुआ गाम केर थिक। कहल जा रहल अछि जे पुराना पारिवारिक जमीनक विवाद मे छोट भाइ अपनहि जेठ भाइ केर पूरा परिवार केर चारि सदस्य केँ गोली मारिकय मृत्युक नींद मे सुता देलक। दरअसल, जेठ भाइ लक्ष्मी साह केर अपन छोट भाइ गंगा साह संग जमीन बंंटवाराक बादहि सँ विवाद चलि रहल छलैक। विवाद तखन आरो बढि गेलकैक जखन गंगा साह द्वारा अपन घरक छज्जी अपन जेठ भाइ लक्ष्मी साह केर जमीन मे बढ़ा देल गेलैक।
अवैध हथियार सँ हमला
१९ जून केँ लक्ष्मी साह द्वारा कुशेश्वर स्थान थाना मे मामिला दर्ज करायल गेल। मामिला पुलिस मे पहुंचलाक बाद बीच-बचाव करबाक लेल मैझला भाइ रामभजन साह अपन घर पर वृहस्पति दिन अबेर साँझ पंचायत बजौने छल। एहि बीच गंगा साह और ओकर बेटा गौतम साह सहित आरो लोक अवैध हथियार सँ लक्ष्मी साह केर घर पर हमला कय देल गेलैक। अचानक भेल हमला सँ लक्ष्मी साह सम्हैरियो तक नहि पेलक आर गोली लगला सँ ओकर मृत्यु भऽ गेलैक।
आरोपी घर छोड़िकय भेल फरार
एकरा बाद आरोपी लक्ष्मी साह केर पत्नी अरहुलिया देवी, पुत्र बुच्चू साह और वीरेंद्र साह केँ सेहो गोली मारिकय मौतक घाट उतारि देलक। अचानक भेल गोलीबारी केर आवाज सँ गाम मे सनसनी पसैर गेल। जा धरि ग्रामीण घटनास्थल पर पहुंचितय आरोपी घर छोड़िकय फरार भऽ गेल छल। सूचनाक बाद मौका पर पहुंचल पुलिस लाश केँ कब्जा मे लैत पोस्टमार्टम वास्ते पठा देलक अछि। पुलिस आरोपीक गिरफ्तारी लेल छापेमारी कय रहल अछि।

2 Comments
दुःखद घटना
Marne wale dono ko ushi jamin me dafna do