जनकपुर मे पाग रैली संग मैथिल ब्राह्मण सभा (महासंघ) केर सम्मेलन

२८ अप्रैल २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

विभिन्न जाति-समुदाय द्वारा संगठन निर्माण आ एकजूटताक वर्तमान युग मे मैथिल ब्राह्मण समुदाय सेहो अपन जातीय अस्मिताक रक्षा आ भविष्य मे संरक्षित-सुरक्षित रहबाक निमित्त काल्हि २७ अप्रैल (वैसाख १४ गते) शनि दिन जनकनगरी जनकपुर मे विशाल रैलीक संग वैचारिक सम्मेलन संपन्न भेल अछि।

जनकपुर मे मैथिल ब्राह्मण सभा (महासंघ) द्वारा ब्राह्मण जातिक अनेकों संगठन जे नेपालक विभिन्न क्षेत्र मे कार्यरत छथि, तिनका लोकनिक सहभागिता मे करीब ५००० ब्राह्मण लोकनिक सहभागिता मे ‘पाग रैली’ कयल गेल। मिथिलाक विशिष्ट परिधान मे अपन जातीय विशिष्टता केँ सेहो झलकाबय वला पारम्परिक पहिरन मे एहि तरहक रैली (शोभायात्रा) केर भव्यता अत्यन्त विहंगम छल। जानकी मन्दिर प्रांगण सँ प्रारम्भ ई रैली सोनापट्टी होइत महावीर चौक, मारवाड़ी सेवा समिति, माछ बाजार, विद्यापति चौक, राम चौक होइत उद्योग वाणिज्य संघ केर सभागार मे पहुँचि सभा मे परिणत भेल छल। जनकपुर नगर केर परिक्रमा करबाक संग ब्राह्मण जाति-समुदाय केर हित लेल महासंघ द्वारा विभिन्न विषय-विधान आदि पर केन्द्रित ‘बन्द सत्र’ सहितक अधिवेशन-सेमिनार उद्योग वाणिज्य संघ सभागार मे कयलनि।

महासंघ केर अध्यक्ष श्री भगवान् झा केर संयोजन मे आयोजित एहि सम्मेलन मे नेपालक राजनीति मे मैथिल ब्राह्मण समुदायक सिरताज लोकनि माननीय अनिल झा एवं माननीय यदुवंश झा केर सेहो सहभागिता रहल। तहिना विराटनगर सँ मैथिली सेवा समितिक संस्थापक अध्यक्ष डा. एस. एन. मिश्र केर अगुवाई मे एक प्रतिनिधि मंडल एहि सम्मेलन मे सहभागिता जनौलक अछि। नेपालक कुल १० जिला सँ दर्जनों संघ-संस्था एवं आमजन सहभागिताक चर्चा खूब जोर-शोर सँ कयल जा रहल अछि। विभिन्न नाराक बैनर सहित ‘हर-हर महादेव’ केर नारा एवं वेद मंत्रोच्चारण करैत सभास्थल धरि पहुँचल छलाह जतय जुलूस सभा मे परिणति पेलक।

सभा मे बन्द सत्र सेहो भेल छल। महासंघ केर विधान पर विद्वान् वक्ता लोकनि विचार रखने छलाह। एहि अवसर पर राष्ट्रीय जनता पार्टीक अध्यक्षीय मंडल सदस्य अनिल झा समकालीन परिस्थिति मे संगठित होयबाक आवश्यकता आ अनिवार्यता पर प्रकाश देने छलाह। ब्राह्मण जाति-समुदायक समक्ष कि सब चुनौती अछि, राजनीतिक अवस्था मे एहि प्रबुद्ध वर्ग संग केहेन द्वेषपूर्ण आ अवहेलना करयवला व्यवहार जोर पकड़ि रहल अछि, ई सब चिन्ता ओ चिन्तनक विषय थिक। उपस्थित विद्वान् ओ विचारक लोकनि एहि दयनीयता सँ ऊबार पेबाक रस्ता पर सेहो विमर्श केलनि। एकताक बल सर्वोपरि होयबाक आ महासंघ केँ सशक्त बनेबाक जनादेश संग ई आयोजन सफल रहबाक बात सहभागी प्रतिनिधि लोकनि बतौलनि।