विराटनगर, २४ मार्च, २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

गीतकार सरोज मंडल
दहेज मुक्त मिथिला एवं मैथिली जिन्दाबाद केर संयुक्त तत्त्वावधान मे आगामी ३० मार्च २०१९ केँ विराटनगर मे ‘मैथिल स्रष्टा सम्मेलन समारोह’ केर आयोजन होयत जाहि मे कुल १० गोट स्रष्टाक सम्मान कयल जायत। मैथिली भाषाक फिल्म, संचारकर्म, मोडेलिंग तथा समाजसेवाक क्षेत्र सँ विभिन्न व्यक्तित्वक सम्मान समारोहपूर्वक कयल जायत। एहि सम्मान समारोह लेल गठित एक कोर कमिटी मे मैथिली विकास अभियान केर अध्यक्ष पंकज वर्मा, वरिष्ठ मैथिली गायक वीरेन्द्र झा, फिल्मकर्मी जयराम यादव यदुवंशी, फिल्मकर्मी प्रतीक श्रेष्ठ सहितक टोली केर बैसार मे दहेज मुक्त मिथिलाक अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी कार्यक्रमक परिकल्पना ओ प्रारूप पर विमर्श करैत सभक सुझाव सँ ई निर्णय लेलनि।

वीरेन्द्र झा, गायक
सम्मानित व्यक्तित्वक चयन दहेज मुक्त मिथिलाक अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा कयल गेल, जाहि मे मैथिली भाषा मे निरन्तर गीत लिखनिहार सप्तरी जिलाक गौरा गामक निवासी सरोज मंडल केँ, लगभग ३ दशक सँ बेसी समय सँ मैथिली गीत गायन कयनिहार सप्तरी जिलाक भारदह निवासी वीरेन्द्र झा, एतबे अवधि सँ मैथिली फिल्म मे निर्देशन संग निर्माण कार्य कयनिहार मोरंग जिलाक विराटनगर निवासी संतोष सरकार, मोरंग जिलाक अमरदह निवासी हाल विराटनगर मे रहिकय अनेकन नेपाली, मैथिली तथा अन्य भाषाक गीत लेखन एवं रेकर्डिंग कराकय मैथिल समुदायक नाम प्रसिद्ध कयनिहार वीरेन्द्र कुमार शाह, मैथिली फिल्म मे महत्वपूर्ण योगदान देनिहार महोत्तरी जिलाक रतौली निवासी (हाल विराटनगर) जयराम यादव यदुवंशी, मैथिली फिल्म निर्माण लेल विराटनगर मे कैमरा सँ एडिटिंग सुविधाक संग अपूर्व सहयोग कयनिहार विराटनगर निवासी प्रतीक श्रेष्ठ, मैथिली गीत गायन मे अपन अलग अन्दाज सँ गायकी लेल प्रसिद्ध युवा गायक विराटनगर एकरहिया निवासी रोहितलाल यादव मैथिल, मोडेलिंग क्षेत्र मे सुरुचिपूर्वक कार्य करैत मिस पूर्वेली उपाधिक विजेता विराटनगर तिनपैनी निवासी आँचल मल्लिक, समाजसेवाक क्षेत्र मे अमलेश कर्ण तथा संचारकर्मक क्षेत्र मे प्रकाशक-संपादकक भूमिका कयनिहार शंकर खरेल केँ सम्मान पत्र सँ सम्मानित करबाक निर्णय लेल गेल अछि। संगहि ई सम्मान समारोह दलित एवं पिछड़ा वर्गक जनसमुदायक प्राकृतिक भीड़ मे आयोजित करबाक नियार सँ बखरी प्राथमिक विद्यालय केर परिसर मे कयल जेबाक निर्णय लेल गेल।