विराटनगर, १७ मार्च २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!
काल्हि शनि दिन १६ मार्च विराटनगरक महेन्द्र मोरंग कैम्पसक हाता मे ‘हम सब मैथिल’ नामक युवा मैथिल अभियानी समूह द्वारा ‘फगुआः एक सभ्य संस्कार तथा वेदध्वनि वेब आधारित समाचार पोर्टल केर शुभारंभ’ कार्यक्रम आयोजित कयल गेल। एहि कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि विराटनगर महानगरपालिकाक मेयर भीम पराजुली दीप्ति प्रज्वलन करैत कार्यक्रमक उद्घाटन कयलनि, तहिना ओ स्वयं वेदक ऋचा पाठ करैत वेदध्वनि पोर्टल केर शुभारंभ सेहो कयलनि। एहि अवसर पर सभा केँ संबोधित करैत मैथिली भाषा, मिथिला संस्कृति आ कलाकर्म, चित्रकला आदिक संरक्षण हेतु विराटनगर महानगरपालिका सदैव तत्पर रहबाक बात कहैत ओ नगरपालिका भवनक एसी युक्त सभागार बिना कोनो शुल्क उपलब्ध करेबाक वचनबद्धता प्रकट कयलनि। मैथिलीभाषाभाषी संस्था आदि सँ महानगरपालिका संगे सहकार्य करैत विभिन्न अभियान संचालन लेल ओ आम आह्वान सेहो कयलनि। देशक प्राचीनतम भाषा आ संस्कृति मैथिली-मिथिला कहि एकर संरक्षण आ संवर्धन लेल हर संभव प्रयास करबाक वचन देलनि। संगहि प्रदेश १ केर सभासद केदार कार्की एहि कार्यक्रम मे होलीक शुभकामना देबाक संग मैथिली भाषा देशक दोसर सब सँ पैघ भाषा थिक जाहि लेल संघीय संविधान मे एकरा दोसर कामकाजी भाषाक रूप मे स्थापित करबाक मांग कयलनि। प्रदेशक संविधान मे सेहो मैथिली भाषा सिर्फ प्रदेश २ केर भाषा नहि बल्कि प्रदेश १ आ सौंसे देशक भाषा होयबाक कारण एकर सम्मान, संरक्षण, संवर्धन लेल ओ अपना स्तर सँ आवाज उठबैत रहबाक बात कहलनि।
सभाध्यक्षक रूप मे ‘हम सब मैथिल’ नामक समूह केर अध्यक्ष दीपेन्द्र यादव मैथिल द्वारा संस्थाक उद्देश्य मे भाषा, संस्कृति, समाज केँ आगू बढेबाक हर संभव प्रयासक संग संचारक क्षेत्र मे ‘वेदध्वनि’ मार्फत नेपाली, मैथिली सहित सब मातृभाषा केँ आगू बढेबाक बात कहल गेल। तहिना मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक एवं दहेज मुक्त मिथिलाक अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा होली पाबनि वास्तव मे एक सभ्य संस्कार कोना अछि, लेकिन कालान्तर मे एकर विकृत स्वरूप सँ मुक्ति लेल आध्यात्मिक महत्व केना मनन कयल जाय ताहि पर विचार रखलनि। ओ भक्त प्रह्लाद जेकाँ अपन ईष्ट-परमात्मा मे अटूट विश्वास राखि स्वयं भीतर रहल आसुरिक हिरण्यकशिपु पर विजयी प्राप्त करबाक लेल सम्बल ग्रहण करबाक पाबनिक रूप मे होली मनेबाक आह्वान सेहो कयलनि। वेदध्वनि डट कम मे तत्परता सँ लागल युवा मैथिल अभियानी सब केँ उत्साहवर्धन करैत संचारकर्मक महत्व पर सेहो प्रकाश देने छलाह। भारत सँ आमन्त्रित आर के रमण, डीएवी स्कूल केर प्रधानाचार्य रमेश मिश्र, महिला समाजक अगुआ आशा झा, नेपाली कांग्रेसक युवा नेता पंकज वर्मा, मैथिलीक नामी पत्रकार नवीन कर्ण, मैथिलीक चर्चित कवि कर्ण संजय, मैक्स अस्पतालक संचालक ज्ञानेन्द्र यादव, नेकपा नेता तेजलाल कर्ण, भारत नेपाल मैत्री समाजक संयोजक राजेश शर्मा, मधेशी पत्रकार समाजक अध्यक्ष श्याम सुतिहार, वृहत मधेशी नागरिक समाजक अध्यक्ष सूर्यनाथ सिंह ओ पिताम्बर यादव, मैथिली फिल्म स्टार जय राम यादव यदुवंशी सहित विभिन्न वक्ता लोकनि होलीक अवसर पर एक-दोसर केँ शुभकामना दैत वेदध्वनिक सफलता लेल सेहो शुभकामना देलनि। आइये सखी-बहिनपा विराटनगर द्वारा होली मिलन समारोह सेहो रहबाक कारण सखी-बहिन लोकनि सेहो एहि कार्यक्रम मे सहभागिता जनौलनि।
होली मिलन समारोह हो आ अबीर-गुलाल नहि लगायल जाय से केना हेतैक, जागेश ठाकुर, वीरेन्द्र झा, विद्या मिश्र – हिनका लोकनिक मधुर गानक बीच मे महेन्द्र मोरंग कैम्पसक बसन्ती वयार बीच सब कियो एक-दोसरा केँ अबीर लगा-लगा असत्य पर सत्यक जीत केर पाबनि होली लेल नीक-नीक कामना करैत गला मिलिकय होली मनेलनि। सामान्य गीतनादक बीच मधेशी पत्रकार समाजक अध्यक्ष श्याम सुतिहार द्वारा होलीक शुभकामना देला उपरान्त एकटा स्वसंकलित ‘जोगीरा’ गाबैत देरी अन्य गणमान्य लोकनि सेहो हुनका संग देबाक लेल मंच पर जा कय जोगीरा सारारा केर धमकौआ गायन, वादन आ नृत्य कयल गेल। तदोपरान्त युवा अभियानी – संचारकर्मी लोकनि सेहो होली गीत पर झमैककय नाचय जाय गेलाह। वास्तव मे होली मिलन समारोह अपन प्रखर स्वरूप मे घन्टों-घन्टा धरि सभक खूब मनोरंजन कयलक।