दहेज मुक्त मिथिला अभियान दिश सँ ‘युग मीडिया’ प्रति कृतज्ञता ज्ञापन, नव गीत भेल रिलीज

दहेज मुक्त मिथिला लेल अभियान गीत युग मीडिया द्वारा रिलीज, आवाज महंथ झा केर
हार्दिक आभार महंथजी, युग मीडिया आ अक्षय आनन्द सन्नी जी – भाइ कुणाल ठाकुर जी प्रति ई अभियान ऋणी रहत एहि तरहक सुन्दर परिकल्पना आ प्रचार-प्रसार संग समाज केँ स्वच्छ बनेबाक लेल।
 
दहेज मुक्त मिथिला अभियान पर लागि रहल शिथिलताक आरोपक बीच एक समर्पित अभियानी कुणाल ठाकुर अपन सम्बद्ध युट्यूब चैनल ‘युग मीडिया’ पर ‘दहेज मुक्त मिथिला’ केँ पुनः गतिमान बनेबाक लेल एक गोट आह्वान गीति रचना केँ रिलीज कयलनि अछि।
 
गीतक बोल मैथिलीक चर्चित युवा गीतकार अक्षय आनन्द सन्नी द्वारा लिखल गेल अछि आर एकरा आवाज देलनि अछि महन्थ झा। एतय सम्पूर्ण गीति रचना जहिनाक तहिना राखि रहल छी।
 
कन्यागत सब मैर रहल छथि
बन्द करू तिलक अभियान
बरक बाप दहेज लेबय ल
लाखक-लाख करैत छथि मांग…
 
आउ बनाबी दहेज मुक्त मिथिला… दहेज मुक्त मिथिला!!
 
कियो जरइ य कियो मरइ य
कियो मंगय छथि जिनगीक दान
कलपि कलपि आ कानि कानि क
तेजि रहल अछि बेटी ल प्राण
धिया ब्याहक लागल चिन्ता
बेचय छथि अरजल खेत-पथार
कन्यागत सब मैर रहल छथि….
 
जनकपुर मे शोक मचल यौ
सीता लेल विधने छथि बाम
एतहि छथि दशरथ तिलकक लोभे
बेचि रहल यौ अपन राम
तेँ मिथिलाक दहेजक धधरा
जरा रहल अछि गामे गाम
कन्यागत सब मैर रहल छथि…
 
आउ बनाबी दहेज मुक्त मिथिला…. दहेज मुक्त मिथिला!!
 
कहइ यऽ अक्षय सुनू यौ मैथिल
बन्द करू दहेजक रीत
कहइ यऽ रौशन सुनू यौ मैथिल
बन्द करू दहेजक रीत
भरि मिथिला मे घून जेकाँ यौ
खा रहल अछि ई कूरीत
तेँ मैथिल सँ कल जोड़ि क’
महन्थ करैत छथि ई गुणगान…
कन्यागत सब मैर रहल छथि….
 
आउ बनाबी दहेज मुक्त मिथिला… दहेज मुक्त मिथिला….!!
 
सब गोटा सँ अनुरोध अछि जे ‘युग मीडिया’ केँ सेहो सब्सक्राइब करैत अपन मैथिली-मिथिला अभियान केँ आगू बढाबय मे सहयोग करी।
 
रिलीज भेल गीत निम्न लिंक पर सुनी आ नीक लागय तऽ शेयर करैत एकरा जन-जन धरि प्रसार करैत मिथिला केँ दहेज मुक्त बनेबाक पुनीत कार्य मे सहयोग सेहो करी। https://youtu.be/ALKRk6BykXg
 
COMPANY / LABEL – YUG MEDIA – (9702594226)
Graphics & Designer: Sonu Raj
 
एक बेर पुनः आभार युग मीडिया, परिकल्पनाकार कुणाल ठाकुर एवं गीतकार, गायक व सम्पूर्ण टीम केँ।
 
हरिः हरः!!