Search

एहि वर्ष सेहो वाचस्पति महोत्सव १६ आ १७ मार्च केँ, आयोजन स्थल पीकेडीसी कालेज ठाढी होयत

168 भ्यूज

१६ जनवरी २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

भामती-वाचस्पति स्मारक निर्माण समिति – ठाढीक अध्यक्ष रत्नेश्वर झा कहलनि अछि जे काल्हि १५ जनवरी अपराह्न २ बजे मधुबनी जिला विकास उप-आयुक्त अजय कुमार सिंह केर अध्यक्षता मे एकटा बैसार आयोजित भेल। एहि बैसार मे समितिक प्रतिनिधिक संग बिहार सरकार केर प्रशासकीय प्रतिनिधि आगामी वाचस्पति महोत्सव केर आयोजन लेल विमर्श कयलनि। विदित हो जे पैछला ३ वर्ष सँ वाचस्पति स्मृति उत्सव ग्रामीण समिति द्वारा कयल जाइत रहल, जाहि पर २०१८ मे राज्यक निकाय संज्ञान लैत आगामी वर्ष सँ यैह आयोजन राज्य द्वारा प्रायोजित ढंग सँ करबाक निर्णय लेने छल। ताहि आयोजनक सम्बन्ध मे विभिन्न विषय पर विमर्श कय समुचित निर्णय लेबाक जनतब अध्यक्ष झा देलनि अछि।

एहि वर्ष वाचस्पति महोत्सव १६ व १७ मार्च दुइ-दिवसीय आयोजन संग कयल जायत। महोत्सवक विशिष्टता एवं विशालताक अनुरुप कार्यक्रम स्थल पीकेडीसी कालेज केर परिसर ठाढी केँ चयन कयल गेल अछि। विगत वर्षकअनुरुप कार्यक्रम फॉरमेटक स्वीकृति सर्वसम्मति सँ कयल गेल। विगत वर्षक अनुरुप स्मारिका ‘भामती’क प्रकाशन एवं लोकार्पणक हेतु पूर्ववत् कार्यरत सदस्य केँ पुन: अधिकार देल गेलनि अछि। समिति द्वारा पूर्ववत् निर्धारित सम्मान यथा “विद्यवारिधि वाचस्पति दर्शन सम्मान”, “चन्दा झा मैथिली सहित्य सम्मान”, “भामती स्त्री सम्मान”, “नान्यदेव समाजिक, अर्थिक विकास सम्मान” एवं “प्रो सी एल दास कला सम्मान” देल जेबाक निर्णय पर सहमति बनल।

काल्हिक बैसार मे अध्यक्ष उपायुक्त अजय कुमार सिंह केर अतिरिक्त एसडीओ झंझारपुर अंशुल अग्रवाल, बीडीओ अंधराठाढी, सीडीओ अंधराठाढी तथा समितिक अध्यक्ष रत्नेश्वर झा, उपाध्यक्ष क्षमाधर झा, सचिव प्रो. काशी नाथ झा, सदस्य आनन्द नारायण झा, भूमि दानकर्ता डा. चन्द्र धर झा, डा. ज्ञानेश्वर झा, श्री सत्यनारायण झा संग सदस्य राजेश झा, मुखिया अंधराठाढी दक्षिणी महेन्द्र राय व पंचायत समिति सदस्य विक्रम मंडल सहभागी रहथि।

Related Articles