कृष्ण कुमार झा, मुम्बई। १४ जनवरी २०१९, मैथिली जिन्दाबाद!!
मुंबई केर लब्ध-प्रतिष्टित गैर राजनीतिक संस्था मैथिल समन्वय समिति केर तेसर स्थापना दिवस पर मिरारोड केर सुरभि सभागृह मे एक भव्य विचार मंथन कार्यक्रम केर आयोजन कयल गेल छल जाहि मे मिथिला संस्कृति केँ बढ़ावा देबाक उद्देश्य सँ सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो प्रस्तुत भेल। चर्चित लोकगीत कलाकार संजीव कश्यप व गायिका पायल मुखर्जी संग गायक अविनाश ठाकुर केर गायन केँ दर्शक लोकनि भरपूर सराहना कयलनि। गायक लोकनि केँ आयोजक संस्था द्वारा सम्मान सेहो कयल गेलनि।
मैथिल समन्वय समिति केर संरक्षक व संदीप फाउंडेशन केर चेयरमैन डॉ संदीप झा अपन मन्तव्य मे कहलनि जे मिथिलाक विकास तखनहि संभव होयत जखन मिथिलावासी संगठित भऽ कय काज करता। ओ मिथिलाक प्रवासी मैथिल उद्यमी सभ सँ अपन मौलिक भूमि मे उद्योग लगेबाक आ गाम-गाम केँ विकसित बनेबाक आह्वान करैत कहलनि जे गामक विकास भेले सँ मिथिलाक विकास आ देशक विकास संभव भऽ सकत।
उपरोक्त कार्यक्रम मे मुंबई व मुंबई उपनगर मे बसल सैकड़ों मैथिल केर अलावे फ़िल्म व उद्योग जगत सँ जुड़ल दर्जनों लोकक उपस्थिति छल। कार्यक्रम केर शुरुआत संरक्षक डॉ संदीप झा और वरिष्ठ समाजसेवी शुभचंद्र मिश्र द्वारा संयुक्त रूप सँ दीप प्रज्वलन करैत कयल गेल छल। एम एस एस केर पूर्व संयोजक दिवंगत स्व. धीरजचंद्र झाक छायाचित्र पर पुष्पांजलि अर्पण करैत हुनकर योगदान केँ विशेष रूप सँ स्मरण कयल गेल। एहि आयोजन मे समितिक उपाध्यक्ष कमल सेठ केर अगुवाई रहल तथा समितिक कुल ११ गोट शाखा मुंबई एवं पालघर क्षेत्र मे विस्तार करबाक निर्णय लेल गेल। हरेक क्षेत्र लेल एक शाखा प्रमुख एवं उप-प्रमुख केँ नियुक्ति पत्र संग शॉल श्रीफल प्रदान करैत स्वागत कयल गेल। शाखा प्रमुख मे कल्याण सँ उप शाखा प्रमुख दिलिप मिश्र, विरार पूर्व सँ बौआकांत झा एवं सुनील ठाकुर, नालासोपारा सँ शंकर झा तथा रमेश झा और बोइसर सँ सुभाष राय प्रमुख नियुक्त भेलाह।
समितिक केन्द्रीय कार्यकारिणी मे संरक्षक संदीप झा केर अलावा संस्थाक उपाध्यक्ष कमल झा (सेठ), जयमाधव झा, भगवान चौधरी, संयोजक पंकज झा, धनंजय झा, सचिव अंगद चौधरी, कोषाध्यक्ष अशोक सिन्हा, प्रमुख सलाहकार भारतेंदु विमल झा, प्रवक्ता राजकुमार झा, फ़िल्म जगत सँ कुणाल ठाकुर, पंकज ठाकुर, फूल कुमार झा, रियल इस्टेट क्षेत्र सँ भवन निर्माता अमित मिश्रा, देव चौधरी और उद्यमी शुभचंद्र झा, सुभाष झा, अमरनाथ झा, डॉ राकेश झा, महिला शक्ति सँ डॉ प्रतिभा झा, इंदू झा, संगीता झा और ममता ठाकुर केर अलावे संस्था सँ जुड़ल कमल कांत मिश्र, आनंद मोहन झा, राजेश झा, प्रमोद झा, पंकज ठाकुर और शंकर झा मुख्यरूप सँ उपस्थित छलाह।