नेपाल मे आइ फेर आयल पैघ भूकंप

earthquake latestविराटनगर, समय १२ बाजिकय ५० मिनट पर अचानक मकान, बिजुलीक तार, गाड़ी आदि जोर-जोर सँ काँपय लागल। लगभग १ मिनट तक कम-बेसी ई थरथराहट सँ लोक पहिने तऽ अपना-आपकेँ सुरक्षित स्थान पर लाबि आश्वस्त होमय चाहल। मुदा शीघ्रहि कार्यालय, विद्यालय, बाजार, सड़क, कालोनी आदि मे हड़कम्प मचि गेल – सब कियो अपन-अपन घर-परिवारक लोक लेल चिन्तित भागमभाग मचाबय लागल। विद्यालय मे संयोग सँ टिफीनक समय रहबाक कारणे कोनो प्रकारक पैघ खतरा होइ सँ बचि गेल। बाजार व आसपास सँ भेटल खबड़ि केर मुताबिक जान-माल वा सम्पति-मकानकेँ कोनो तरहक क्षति नहि पहुँचल अछि।

एक बेर फेर लेकिन लगभग दुइ सप्ताह बाद भेल ई जोरदार भूकंप सँ लोक मे बढि रहल विश्वास कमजोर भेल आ प्राकृतिक आपदाक अनिश्चितता सँ फेर जनमानस आक्रान्त भेल देखा रहल अछि। चारूकात लोक अपन-अपन परिजन सँ सम्पर्क मे कुशल-क्षेम लय रहल देखाइछ। विद्यालय सँ बच्चा सबकेँ अनिश्चितकाल लेल छुट्टी दऽ देल गेल अछि। एकटा अजीब अनिश्चितताक दौर मे लोकमानस त्रसित बनि जीवन निर्वाह लेल बाध्य अछि। निस्तुकी किछु नहि कैल जा सकैत छैक, बस सावधानी आ सतर्कता सँ अपन जान-मालक सुरक्षा करबाक लेल सब कियो आतुर देखाइत अछि।

आजुक भूकंपक केन्द्र नेपालक शिखर चोटी माउन्ट एवरेस्टक समीप नामचे बाजार आ नेपाल-चीन सीमाक्षेत्र व पूर्व मे सेहो सबसँ अधिक क्षति भोगल स्थान सिन्धुपाल्चोक मे मानल जाइत अछि। अर्थक्वेक ट्रैक मे देखायल गेल केन्द्र तथा भूकंप प्रभावित क्षेत्र एखन धरि कुल १० झटका आबि जेबाक फोटो सहित समय व भूकंपक मापन प्रकाशित केने अछि। एहि सब मे सर्वाधिक क्षमताक ७.३ रिक्टर स्केलक भूकंप जे १२:५० नेपाली समयानुसार आयल ताहिकेँ देखायल गेल अछि। नेपालक भूगर्भशास्त्री लोकविजय अधिकारीक अनुसार ई सबटा पुर्व मे आयल महाभूकंपक पराकम्पन थीक, कारण क्षेत्र पूर्ववत् वैह अछि जे ओहि दिन छल, कहल गेल अछि। हुनका मुताबिक पूर्वक भूकंप सँ कम क्षमताक भूकंप छल आ पराकम्पन छल। अमेरिकी भूगर्भ अनुसंधान केन्द्र मुताबिक सेहो ७.३ रिक्टर भूकंप मानल गेल अछि।