नेपाली संचारकर्मी केँ नेपाल आर्मी द्वारा स्पष्टीकरण
नेपाली सेनाकेर ध्यानाकर्षण (२०७२ वैशाख २८ गते यानि सोमवार, ११ मई, २०१५)
१. विभिन्न पत्रपत्रिका तथा आमसञ्चार माध्यम सब मे भारतीय वायुसेनाक भूकम्प पिडीत सबहक उद्धारमे रुचि नहि देनाय आ अपन नागरिकक उद्धारमे केन्द्रित रहबाक सनक गलत तथा भ्रामक समाचार एवम् टिकाटिप्पणीप्रति नेपाली सेनाक गम्भीर ध्यानाकर्षण भेल अछि।
२. नेपाली सेनाक Multi National Militiary Coordination Centre (MNMCC) केर संयोजकत्वमे खोज, उद्धार तथा राहत कार्यमे आयल भारतीय सेनाक सर्च एण्ड रेस्क्यु टीम, मेडिकल टीम तथा वायुसेनाक टोली हालधरि काठमाण्डु सँ भूकम्पसँ प्रभावित विभिन्न जिल्ला सबहक ४७७ बेर उड़ान भरैत १३५७ जन स्वदेशी तथा १६४ जन विदेशी नागरिक सबहक उद्धार कय चुकल अछि, संगहि भूकम्पसँ प्रभावित भेल विभिन्न जिल्ला सब मे भूकम्प पीडित सब लेल अति आवश्यक खाद्यान्न आ अन्य राहत सामाग्री सब जोड़ि कुल १,९२,२९५ के.जी. पहुँचा चुकल अछि। तहिना पोखरासँ भारतीय वायुसेनाक २०७२ बैशाख २६ गतेधरि खाद्यान्न आ अन्य राहत सामाग्री जोड़ि कुल १,५०,५९० के.जी. राहत सामाग्री भूकम्पसँ प्रभावित बिभिन्न स्थानसबमे पहुँचा चुकल अछि। तेनाही घायल आ बीमारक संग कतहुओ भऽ के नहि रहल स्वदेशी तथा विदेशी जोड़ि ९२० जन नागरिक सब केँ सकुशल उद्धार कय चुकल अछि। संगहि, मित्रराष्ट्र सबहक सेना द्वारा भरल प्रत्येक उड़ानमे नेपाली सेनाक तरफ सँ एक सम्पर्क अधिकृत आर सुरक्षाक निमित्त एक सैनिक समेत खटल करैत अछि।
३. ताहि हेतु, पड़ोसी मित्रराष्ट्र भारतीय सेना तथा वायुसेनाक टोली सब द्वारा MNMCC तथा सैनिक हवाइ महानिर्देशनालयक संयोजकत्वमे भूकम्प पिडीत सबहक उद्धार तथा राहत वितरण कार्यमे परिचालित भेल महत्वपूर्ण योगदान दय रहल नेपाली सेना अवगत कराबय लेल चाहैत अछि।
४. एना नकारात्मक टिकाटिप्पणी तथा आक्षेप लगेला सँ दुनु देशबीचक सुमधुर परम्परागत एवम् ऐतिहासिक सम्बन्ध केँ सेहो असर पड़बाक संभावना रहैत ताहि तरफ संवेदनशील भऽ देबाक लेल आर किछु संचार माध्यमसँ प्रकाशित उपरोक्त सूचना तथ्यहीन आ गलत रहबाक एवम् एहेन संवेदनशील विषय सब मे संयमीत रहैत सूचना प्रवाह करबाक लेल आम संचार जगत तथा समस्त पाठकवर्गकेँ नेपाली सेना अपील करैत अछि।
स्रोत: नेपाली सेना द्वारा प्रकाशित विज्ञप्तिक उतार