Search

मिथिलाक्षर मे नाम व सूचना पट्ट लगेबाक कार्य बनगाँव सँ आरम्भ

साभारः रमेश चन्द्र झा

वाह, आनंद आबि गेल । पहिने सिखानाई फेर सिखेनाई आ तकर बाद एहि तरहक प्रचार-प्रसार ! सब किछु अद्भुत, सराहनीय आ अनुकरणीय । सभ अभियानी केँ बधाई ! इएह लगन आ निस्पृह भाव सँ मिथिलाक्षरक पहुंच घर-घर तक सुनिश्चित भऽ सकैछ । मिथिलाक गौरवशाली गाम “बनगाँव” एक बेर पुनः मिथिलाक स्वर्णिम अतीत केँ पुनर्स्थापित करबाक लेल उद्यत अछि ‌। आऊ, हमहूँ सब अपन सहभागिता सुनिश्चित करी आ एहि पुनीत काज मे “बनगाँव” केर डेग सँ डेग मिला संपूर्ण मिथिला केँ मिथिलाक्षरमय कए एकटा कीर्तिमान स्थापित करी । जय मिथिला – जय मैथिली ।

साभारः मिथिलाक्षर शिक्षा अभियान

मिथिलाक्षर शिक्षा अभियान, बनगाँव टीम एकटा आर उपलब्धि पओलक

मिथिलाक्षर शिक्षा अभियानक अभियानी लोकनि लगातार २१टा कार्यशालाक सफल आयोजनक बाद आई सं दोसर डेग उठओलथि । एहि दोसर डेगक पहिल भाग मे २५ सार्वजनिक ओ निजी जगह पर मिथिलाक्षर लिखल साइन-बोर्ड लगाओल गेल।

बनगाँव दक्षिण के सम्मानित मुखिया श्री विनोद प्रसाद झा जी केर कर-कमल सँ पवित्र भूमि बाबाजी कुटी, बनगाँव; संस्कृतोच्च विद्यालय; गोस्वामी लक्ष्मीनाथ मदसूदन संस्कृत महाविद्यालय; उत्क्रमित संस्कृत मध्य विद्यालय; फूलदाय बालिका उच्चतर माध्यमिक विद्यालय;
कलावती उच्च विद्यालय; मौजेलाल शर्माराम मध्य विद्यालय; सनोखरी बंगला प्राथमिक विद्यालय, बनगाँव केर नाम मिथिलाक्षर मे लिखल गेल । संगहि बनगाँव चौक केर नाम सेहो मिथिलाक्षर मे लिखि एकटा बैनर लगाओल गेल।

मिथिलाक्षर शिक्षा अभियानक अभियानी, विनोद कुमार खाँ (निदेशक, SSC), विनय कुमार खाँ, प्रेम शंकर झा, सुमन खाँ समाज (पैक्स चेयरमैन) संग पारस कुमार झा एहि अनुपम डेगक शुरूआत केलनि । हिनका लोकनिक अपन मातृलिपिक प्रति लगाव प्रशंसनीय आ अनुकरणीय अछि । ई सभ गोटे, अपन धरोहर लिपि आम जनमानस धरि कोना पहुंचय, ताहि लेल सदति प्रयासरत रहैत छथि।

एहि गरिमामयी उपलब्धि हेतु आदरणीय मुखियाजी सहित सब विद्यालयक प्रधानाचार्य/आचार्य/आचार्या केँ अनेकानेक बधाई आ हुनक एहि अमूल्य योगदान हेतु हृदय सँ आभार।

आर्थिक चिन्ता सँ हमरा सबकेँ मुक्त करवाक लेल साइन्टीफिक स्टडी सर्किल, लंका- बाग, बनगाँव आओर संजय मेडिको, बनगाँव केँ कोटिश: साधुवाद।

मिथिलाक सब विद्यालय, सार्वजनिक स्थल, सार्वजनिक भवन ओ चौक-चौराहा पर मिथिलाक्षरक बैनर अथवा साइन-बोर्ड लगेबाक लेल अपने लोकनि केँ सहयोगक आकांक्षी – मिथिलाक्षर शिक्षा अभियान ।

Related Articles