विराटनगर, २३ नवम्बर, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!
सामा चकेवा महोत्सव विराटनगर मे आइ
विराटनगर स्थित रानी-सिकियाही – नहर चौक (रवि हाट) पर आइ होयत भव्य सामा-चकेवा महोत्सव। ई जनतब आशा झा द्वारा भेटल अछि। विदित हो जे श्रीमती झा आइ निरन्तर कतेको वर्ष सँ विशाल महोत्सव केर रूप मे मिथिलाक लोकपाबैन सामा-चकेवा गाम-टोलक दाय-माय संग मिलिकय मनबैत रहली अछि। एहि अवसर पर समूचा गाम-टोलक महिला लोकनि सामा-चकेवा पाबैन मे बनाओल जायवला विभिन्न तरहक माटिक मूर्ति बनबैत छथि, चंगेरा मे सब कियो दीप बारिकय सामा-चकेवाक मूर्ति सहित सामूहिक सम्मेलन करैत गीतनाद आ नृत्य आदिक आयोजन करैत छथि। भव्य मंच सजाओल जाइत अछि आर मंचक सोझाँ मूर्ति प्रदर्शनी आ दाय-माय लोकनि गोलाकार मे बैसिकय महोत्सवक आनन्द उठबैत छथि।
संलग्न तस्वीर जनकपुर मे राष्ट्रीय महिला संघ द्वारा परसू २१ नवम्बर जानकी मन्दिर प्रांगण मे आयोजित सामा चकेवा महोत्सव केर थिक। साभार अरुण झा ई तस्वीर आ मिथिलाक महिला लोकनिक सामूहिकता-एकजूटता केँ सेहो प्रदर्शन करैत अछि। मिथिलाक लोकपाबैन मे निहित आध्यात्मिक ऊर्जा आ व्यवहारिकताक महत्व केँ एहि तरहें उत्सवमय तरीका सँ मनेबाक बात स्वत: वर्णन करैत अछि जे लोपोन्मुख सभ्यता प्रति मिथिलाक जनमानस कतेक सजग आ चिन्तनशील अछि। एहि तरहक महोत्सवक आयोजन केर अगुवाई महिला नेतृत्व द्वारा होयब आरो सशक्त सन्देश दैत अछि जे एखनहुँ मिथिलाक लोकमानस मे अपन महत्वपूर्ण परम्परा प्रति बहुत पैघ समर्पण भेटैत अछि।

1 Comment
Bahut badhiyan ahina sab pabain ka baare ma jankari aa karyakramak pic.post karait rahi JAY MITHILA