Search

पत्रकार नेहा झा व मैथिली कवियित्री पूनम झा मैथिली सहित अन्य ३ केँ भेटलनि सम्मान

जनकपुर, २ नवम्बर २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

दीनानाथ भगवती समाज कल्याण गुठी द्वारा युवा पत्रकार नेहा झा केँ २३म वार्षिकोत्सव पर आइ जनकपुर मे आयोजित एक कार्यक्रम मे प्रदेश २ केर मुख्यमंत्री लालबाबू राउतक हाथे दीनानात भगवती पत्रकारिता पुरस्कार सँ पुरस्कृत कयल गेल अछि। एहि अवसर पर जनकपुर उपमहानगरपालिकाक मेयर लाल किशोर साह केर सेहो उपस्थिति रहल। पत्रकारिता मे निरन्तर निष्पक्ष रुप सँ कलम चलेबाक महत्वपूर्ण योगदान केँ सराहना ई सम्मान आ पुरस्कार युवा महिला पत्रकार नेहा झा केँ देल गेल अछि। तहिना साहित्य विधा मे उत्कृष्ट योगदान देनिहाइर मैथिलीक प्रसिद्ध स्रष्टा पूनम झा मैथिली केँ सेहो एहि अवसर पर सम्मान एवं पुरस्कार गुठी द्वारा मुख्यमंत्रीक हाथे हस्तान्तरण कयल गेल छन्हि। अन्य ३ सम्मानित महिला मे कला-संस्कृतिक लेल सारथी लामा, सामाजिक क्षेत्र मे निरन्तर सेवा करबाक लेल समाजसेवी सुभद्रा आले तथा एसईई (मैट्रीक) केर परीक्षा मे सर्वोत्कृष्ट प्रदर्शन कयनिहारि अंजलि यादव केँ सेहो पुरस्कृत कयल गेल अछि।

Related Articles