Search

नेपालक प्रसिद्ध पुरातत्वविद् डा. तारानन्द मिश्र केँ भेटतनि चेतना समिति पटना सँ सम्मान

नवम्बर १, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

फाइल फोटो: नेपाल पुरातत्व विभाग महानिर्देशक डा. भेष नारायण दाहाल केर हाथ सँ सम्मान ग्रहण करैत डा. तारानन्द मिश्र

मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार तथा सामाजिक संजाल मे सेहो अतिलोकप्रिय महत्वपूर्ण जानकारी सँ मैथिली दर्शक-पाठक लेल सूचनाक मुख्य स्रोत डा. रमानन्द झा रमण अपन फेसबुक स्टेटस मार्फत जनतब दैत कहलनि अछि जे नेपालक प्रसिद्ध पुरातत्वविद् डा. तारानन्द मिश्र केँ एहि वर्ष चेतना समिति द्वारा सम्मानित कयल जायत।

डा. रमण केर अपडेट:

डा. तारानन्द मिश्रकेँ पहिल ‘पुरातत्त्व वैज्ञानिक विजयकान्त मिश्र सम्मान’ – साधुवाद।

चेतना समिति, पटना द्वारा पुरातत्त्व एवं इतिहासक क्षेत्रमे महत्त्वपूर्ण काज केनिहार मैथिलकेँ सम्मानित करबा लेल डा. विजयकान्त मिश्र (भारतीय पुरातत्त्व सर्वेक्षण)क स्मृतिमे ‘पुरातत्व वैज्ञानिक विजयकान्त मिश्र सम्मान’ आरम्भ भेल अछि। डा. विजयकान्त मिश्र म. म. उमेश मिश्रक पुत्र आ डा. जयकान्त मिश्रक अनुज छथि। एहि सम्मानमे एगारह हजार राशिक अतिरिक्त प्रशस्तिपत्र आदिक प्रावधान अछि।
डा. तारानन्द मिश्र नेपालक नागरिक छथि। ओ नेपालक पुरातत्त्व विभागमे उपमहानिदेशक पदसँ सेवानिवृत्त छथि। हिनक नेतृत्वमे सिमरौनगढ़ सहित अनेक ऐतिहासिक महत्त्वक स्थलक खुनाइ भेल अछि। एहि सम्मानक जूरी मे छलाह प्रो. जयदेव मिश्र (इतिहास विभाग, पटना वि.वि.), प्रो. अयोध्यानाथ झा (इतिहास विभाग, ल. ना. मि. वि. वि, दरभंगा) एवं डा. शिवकुमार मिश्र (पटना म्यूजियम)। ई सम्मान डा. फणिकान्त मिश्र (भा. पुरातत्व सर्वेक्षण)क सदाशयतासँ आरम्भ भेल अछि।

Related Articles