Search

दरभंगा सँ दहेजक लेल मारल गेली फेरो एक बेटी?

घोर निन्दनीय घटनाः दहेज लेल जान सँ मारि एक्सीडेन्ट देखेबाक नाटक
 
विस्तृत समाचार प्रतिक्षित….!
 
दरभंगा सँ बड़ा खराब समाचार प्राप्त भेल अछि। दहेजक लोभ मे एकटा बेटीक हत्या कय ओकरा रोड एक्सीडेन्ट मे मारल गेल देखेबाक कुत्सित प्रयास कयल जेबाक समाचार स्रोत सँ भेटल अछि।
 
एखनहि प्राप्त सूचना मुताबिक मृतक लड़कीक सम्बन्धी अरुण झा फेसबुक मार्फत जनतब दैत कहलनि अछि जे प्रभात कुमार झा, पुत्र अजय झा केर विवाह २९/०४/२०१८ केँ रंजना झा सुपुत्री भूप नारायण झा सँ लड़कीक पैतृक गांव जरैल जिला मधुबनी मे भेल छल। विवाहक कनिके दिनक बाद सँ लड़की केँ दहेज़ लेल प्रताड़ित कयल जाय लागल। लड़का प्रभात द्वारा कतेको बेर रंजना संग मारि-पीट सेहो कयल गेल मुदा लोकलाज केर डर सँ आ बेटीक घर केँ बसल रखबाक गरज सँ पुलिस मे शिकायत नहि देल गेल। जखन लड़की केँ ओकर सासूरक लोक अपन माय‍-बाप-भाइ-बहिन सँ नहि भेटय दियए आर फोन पर सेहो संपर्क नहि करय दियए तखन लड़कीक पिता ओकरा सँ भेटय लेल बेटीक सासूर गेलाह। ओतय बेटी अपन सासूरक लोकक डरक मारे सभक सोझाँ कोनो शिकायत तऽ नहि कयलकनि, लेकिन मौका पाबिकय लड़की एकटा चिट्ठी अपन पिता श्री भूप नारायण झा केँ चुपे-चुप दय देलकनि जाहि मे सासूरक सब हालात केर चर्चा लिखल छल।
 
काल्हि दिनांक.१८/०८/२०१८ केँ साँझक समय लड़कीक माय-बाप केँ ओकर सासूरक लोक ई खबरि देलक जे एक्सीडेंट मे रंजनाक मृत्यु भऽ गेल अछि। लड़कीक घरक लोक केँ सासूरक आसपड़ोस रहनिहार एक सूत्र द्वारा कहल गेलनि जे ओकरा संग घर पर मारि-पीट कयल गेलैक आर गला दबाकय हत्या कयल गेलैक। पूरे इलाका मे चर्चा छैक जे जँ लड़कीक मृत्यु भेलैक तऽ फेर रातिक अन्हरिया मे ओकर लहास केँ ठेकाना लगेबाक लेल सासूरक लोक ओकरा संस्कार कय देबाक लेल कियैक लय गेलैक जतय मल्लाह समुदायक किछु लोक देखि लेलकैक आ विरोध केलकैक तखन लाश लय केँ लड़काक परिवार भागि गेलैक। आर घर वापस आबिकय एक्सीडेंट होयबाक झूठ अफवाह उड़ा देलकैक। लड़का केँ सेहो अस्पताल मे एडमिट करबा देलकैक।
 
लड़कीक परिचित जखन लाश देखलकैक तऽ ओकर हालत सन्देहास्पद लगलैक। लड़कीक पैरक पायल ओकर ओछाइन पर टूटल देखलकैक। लड़कीक गला पर नीला निशान छलैक। मौके पर सँ सूत्र अपन नाम उजागर नहि करबाक शर्त पर ई तमाम साक्ष्य लड़कीक घरक लोक केँ उपलब्ध करौलकैक। पुलिस बाद मे लाश केँ कब्जा मे लय केँ पोस्टमार्टम लेल भेजलक।
 
विदित हो जे लड़कीक पत्र मे लड़काक परिवार द्वारा ओकर दोसर विवाह करेबाक आ एकरा जान सँ मारि देबाक बात पर्यन्त लिखल छैक। चूँकि लड़काक पिता बिहार पुलिस सँ सेवा निवृत्त दरोगा छथि, हत्या केँ एक्सीडेन्ट देखायब हुनका नीक सँ पता छन्हि, लेकि लड़कीक पिता सेहो बिहार पुलिस मे सब इंस्पेक्टर केर पद पर कार्यरत छथि आर दरभंगा पुलिस द्वारा कयल जा रहल अनावश्यक बचाव केर विरोध मे ओ आम जनमानस सँ संग देबाक अपील सेहो कयलनि अछि।
 
ओम्हर लड़कीक बहिन आराधना रंजन सेहो अपन बहिनक हत्या होयबाक बात कहैत एहि लेल न्याय पेबाक अपील करैत कहलनि अछि जे “#Daughter of Darbhanga wanted justice. #chiefministerbihar
#darbhanga_adminstration – My sister became victim of dowry. She was murdered by her husband last evening while police reported it a road accident. Sister wrote a letter to me a month back I could not understand. Sorry sister but I will fight till end for your justice. I need help from concerned department. Where is Beti bachao, Beti phadao?”
 
दरभंगा व अनेकों ठाम निरंतर बढि रहल दहेज उत्पीड़ण आ हत्याक मामिला पर समाजक संग दैत आबि रहल दहेज मुक्त मिथिला द्वारा पीड़ित परिवार केँ न्याय दियेबाक संघर्म मे साथ देबाक वचन देल गेल अछि। एहि सम्बन्ध मे दरभंगा अध्यक्ष किशोर झा पीड़ित परिवारक लोक सँ शीघ्र सम्पर्क करैत आगाँ कि कयल जाय ताहि पर निर्णय लेबाक बात कहलनि। मिथिला स्टुडेन्ट यूनियन केर प्रवक्ता विद्या भूषण राय सेहो दरभंगा अध्यक्ष अमित कुमार झा केर नंबर उपलब्ध करबैत कहलनि जे एहि घटनाक समुचित छानबीन आ पीड़ित परिवारक संग सब कियो समय दय रहला अछि। निश्चित एकर घोर भर्त्सना हेबाक चाही आर हत्यारा अपराधी तथा दहेज लोभी केँ कड़ा सँ कड़ा सजा भेटक चाही, यैह हम सब चाहब।
 
अपुष्ट खबरि ईहो भेटि रहल अछि जे पोस्टमार्टम रिपोर्ट सेहो एक्सीडेन्ट केस कहबाकय मैनेज कयल गेल अछि जाहि पर अस्पताल प्रशासन सँ झड़प सेहो भेल अछि।
 
हरिः हरः!!

Related Articles