आरके दीपक, दरभंगा। जुलाई १७, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!
दहेज मुक्त मिथिला द्वारा समस्तीपुर जिला हँसा निवासी देवकांत झा केर पुत्र नवीन झा तथा रंजीतपुर गाम निवासी रामशंकर झा के सुपुत्री गुंजन कुमारीक विवाह बिना कोनो दहेज केर भेलाक कारण सम्मानपत्र सँ यशगान कयल गेल अछि। दहेज मुक्त विवाह केलापर जिलापार्षद स्वर्णिमा सिंहक हाथ सँ नवदंपति केँ सम्मान पत्र प्रदान करैत सम्मानित कयल गेल अछि। एहि विवाह मे वर वधु वैदिक रीति रिवाजक संग वर एवं कन्या दुनू पक्षक स्वजन समाज आ प्रबुद्ध नागरिक लोकनिक उपस्थिति मे विवाह कएने छलाह।
एहि अवसर पर जिला पार्षद स्वर्णिमा देवी कहलखिन जे दहेजमुक्त समाज केर निर्माण मे एहि तरहक विवाह समाजक सब व्यक्ति लेल अनुकरणीय अछि। पूरे प्रखंडक्षेत्र मे एकर चर्चा भऽ रहल अछि। प्रखंडक्षेत्रक कतेको गणमान्य नागरिक एवं जनप्रतिनिधि लोकनि सेहो एहि विवाह समारोह मे भाग लेलनि आ सब कियो आदर्श वर-कन्या केँ शुभकामना देलनि। विवाहोपरांत स्थानीय जिलापार्षद स्वर्णिमा सिंह नवदंपति केँ आशीर्वाद दैत हिनका लोकनिक सुखमय वैवाहिक जीवन एवं उज्जवल भविष्य केर कामना करैत विवाह स्थलहि पर उपस्थित बरियाती ओ सरियातीक समक्ष नवदंपति केँ दहेज मुक्त मिथिला संस्था द्वारा उपलब्ध करायल गेल सम्मान पत्र हस्तान्तरित कएने छलीह। एहि अवसर पर उपस्थित जनसमूह केँ सम्बोधित करैत ओ नीतीश सरकार द्वारा दहेज मुक्त समाज निर्माणार्त कतेको रास नियम आ कानून बनेबाक विषय मे सेहो सब केँ जानकारी करेलीह। माननीय मुख्यमंत्री जीक अत्यंत महत्वाकांक्षी कार्यक्रम मे सँ ई प्रमुख अछि -श्रीमती सिंह कहलखिन। सब लोक केँ एहि तरहक आयोजन प्रति जागरूक होबक चाही, समाजक सब लोक चाहि लेत तऽ एक दिन दहेजमुक्त समाज केर निर्माण सुनिश्चित अछि। ओ सम्मान कार्यक्रम केर आयोजन लेल दहेजमुक्त मिथिला केँ भरपुर प्रशंसा सेहो केलीह। एहि कार्यक्रम मे पंडित कृष्ण कांत मिश्र द्वारा हिन्दू रीती रिवाज सँ वैदिक मंत्रोउच्चरणक संग विवाह सम्पन्न करायल गेल तथा कार्यक्रम मे शिक्षक रमाकांत मिश्रा, डॉ लाल बाबू, शोभाकांत मिश्रा, रामसगुन झा, सुरेंद्र मिश्रा, गौरी शंकर मिश्रा, हरिशंकर झा, ब्रजकिशोर झा, बौआ जी झा आदि उपस्थित छलाह।

1 Comment
बहुत बहुत बधाई अपने सब के समाज मे ई कुरीति के कारण लड़का और लरकी के समय पर शादी ने भ रहल ये जे से दुनू के जीवन बर्बाद भ रहल ये वो जखन समर्थ रहता ताबे ने काज रोजगार करत जब वो समय पर शादी ने करते त वोकरा बाद में अपन बच्चा के उचित पालन पोषण के सकता