Search

जानकी वाहिनी द्वारा गाम-गाम मे जनजागरण, १७ जून मैराथन दौड़ मे सहभागिता लेल अपील

139 भ्यूज

जयन्तीपुर-दाथ, बेनीपुर, दरभंगा। जून १३, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

“रन फ़ॉर दहेज मुक्त मिथिला वास्ते जानकी वाहिनी द्वारा विशेष जागरूकता अभियान”

कुर्सों सँ दरभंगा धरिक ६० किलोमीटर केर मैराथन दौड़ लेल गाम-गाम मे सहभागिता संग जानकी वाहिनीक सदस्यता लेल अभियान चलायल जेबाक क्रम मे आइ भोरे जयन्तीपुर – दाथ (बेनीपुर) मे जानकी वाहिनी सुप्रीमो रूबी दीपक केर अध्यक्षता मे बैसार कयल गेल। एहि मे दहेज मुक्त मिथिलाक विशेष राजदूत आर के दीपक सेहो भाग लेलनि। ओ कहलनि जे रन फ़ॉर दहेज मुक्त मिथिला कुर्सों सँ दरभंगा केर तैयारी मे विशेष रूप सँ सब कियो लागल छी, समाजसेवी स्व. टी. पी. निराला केर पुण्यतिथि पर पैछला साल सेहो दौड़क आयोजन कयल गेल छल जाहि मे स्वयं दौड़ लगेने रही आ ‘दहेज भगाउ, बेटी बचाउ’ नारा संग ‘न दहेज लेबय, न दहेज देबय’ केर संकल्प लेल आह्वान कएने रही। आम लोकक उत्साह आ संग काफी प्रभावित कएने छल। आब ई जागरुकता मैराथन दौड़ प्रत्येक वर्ष लगबैत समाज केँ दहजे कूप्रथा सँ मुक्ति दियेबाक लेल हम सब कृत्-संकल्पित छी।
आइ जयंतीपुर दाथ में नियोस केर सेंटर पर पहुँचिकय ओहि ठामक समस्त प्रशिक्षु लोकनि केँ दहेज प्रथा सँ पहुँचि रहल हानि पर प्रकाश दैत कन्या भ्रुण हत्या जेहेन जघन्य अपराध सँ मानवताक रक्षा करबाक अपील कयल गेल। संगहि जानकी वाहिनी द्वारा ग्रामीण कामकाजी महिला केँ स्वरोजगारसम्पन्न बनेबाक महिला सशक्तीकरण अभियानक बारे मे सेहो विस्तार सँ बतायल गेल। उपस्थित प्रशिक्षु लोकनि एहि शुभ कार्य मे संग देबाक वचनबद्धता प्रकट कएलन्हि। रन फ़ॉर दहेज मुक्त मिथिला केर एहि मैराथन अभियान मे भाग लेबाक लेल सेहो ओ सब गछलीह। जानकी वाहिनीक सुप्रीमो रूबी दीपक समस्त महिला केँ संबोधित करैत नारी सशक्तीकरण केर विषय पर चर्चा केलनि। एहि अवसर पर रूबी मीनाक्षी झा, चांदनी झा, कृष्णकांत झा, आर के पाठक व अन्य प्रशिक्षु लोकनि उपस्थित छलथि।

Related Articles