जानकी वाहिनीक सुप्रीमो बनती रूबी दीपक

विराटनगर, ९ जून, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!
 
दहेज मुक्त मिथिला द्वारा मिथिला महिला लोकनिक सशक्तीकरण लेल एकटा महिला प्रशाखाक स्थापना कयल जायत। अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी ई घोषणा कयलनि अछि। ओ कहलनि, “रूबी दीपक समान सामाजिक अभियन्ता भेटब हमरा सभ लेल सौभाग्यक बात थिक। दहेज मुक्त मिथिलाक ब्रान्ड एम्बैसेडर श्री आर के दीपक केर धर्मपत्नी रूबी दीपक एक शिक्षिका होयबाक संग पतिक अभियान केर सहचरिणी सेहो थिकीह।
 
दहेज मुक्त मिथिला २०१८ मे अपन नव महिला प्रशाखाक स्थापना लेल सोच बनेलक अछि जेकर नाम ‘जानकी वाहिनी’ हेतैक तथा एकर नेतृत्व रूबी दीपक करती जे मिथिला क्षेत्रक महिला लोकनिक सशक्तीकरण हेतु घरहि बैसल उद्योग संचालित करबाक प्रशिक्षण दैत मिथिलाक विशिष्ट सब मौसमोपयोगी तरकारी यथा कुम्हरौरी, मुरौरी, तिसियौरी, दनौरी, बिरिया, सुखौंत आदि बनेबाक आ पूरे देश मे बाजार स्थापित करबाक कार्य करत। मिथिला पेन्टिंग बनेबाक प्रशिक्षण नव पीढी केँ देनाय आ तैयार पेन्टिंग केर राष्ट्रीय व अन्तर्राष्ट्रीय बाजार व्यवस्था केनाय सेहो एकर दोसर महत्वपूर्ण कार्य होयत। एकर अलावे, कियो खूब नीक लिखि सकैत छथि, कियो खूब नीक गाबि सकैत छथि, कियो नीक संचारकर्म कय सकैत छथि – जे किछु दक्षता जिनका किनको मे होयत, जानकी वाहिनी एकर खोज करैत हुनकर प्रतिभा केँ राष्ट्रीय व अन्तर्राष्ट्रीय स्तर पर प्रसार करबाक काज करत।”
 
 
Ruby Deepak Will Command Janaki Vahini
 
DMM to establish one women wing separately which will focus on empowerment of Mithila women. International Convener Pravin Narayan Choudhary has announced this. He said, “We are very lucky to have a social activist like Ruby Deepak, the spouse of our famous brand ambassador Shri R K Deepak. In 2018, we have decided to start a woman wing called Janaki Vahini under leadership of Ruby which will focus on women empowerment in Mithila by giving training to start home-based industry producing Kumharauri, Murauri, Tisiyauri, Danauri, Biriya, Sukhaut and several other Mithila Special All-Season Vegetables and we will market the same throughout the nation. Also, Mithila Painting will be another important skill we can train our new generation and market their paintings in national and international markets. More than this, some may have skill of singing, some may have skill of writing and some may still have the skill of journalism – whatever skills they will have, our Janaki Vahini will discover the talents from societies and highlight them on national and international basis.”