Search

दहेज मुक्त मिथिला लेल मैराथन ४ – १७ जून २०१८ कुर्सों सँ दरभंगा धावक कौशल केर नेतृत्व मे

अभियान

१७ जून २०१८ – कुर्सों सँ दरभंगा ‘रन फर दहेज मुक्त मिथिला’ – मैराथन दौड़

अवधारणा पत्र तथा सहयोगी हाथ लेल सादर निवेदन
 
अनन्य समाजसेवी तथा मिथिला समाज केँ दहेज कूप्रथा सँ निजात दियेबाक प्रणेता स्व. टी. पी. निराला केर पुण्य-तिथि १७ जून २०१८ केँ पूर्व वर्षक भाँति अहु वर्ष ‘रन फोर दहेज मुक्त मिथिला’ मैराथन दौड़ केर पुनरावृत्ति कयल जायत। एहि बेर ई दौड़ दरभंगा जिलाक कुर्सों गाम सँ जिला मुख्यालय धरिक ६० किलोमीटर केर दूरी मे मुख्य धावक ‘कौशल किशोर चौधरी’ केर अगुवाई तथा आर के दीपक केर मार्गदर्शन मे आयोजित कयल जायत। एहि बेरुक दौड़ मे मनोज शर्माक मार्ग संयोजन तथा किशोर कुमार झा केर संयोजन मे सदस्यता अभियान चलायल जायत। दहेज मुक्त मिथिलाक नवगठित महिला युनिट ‘जानकी वाहिनी’ केर संयोजक रूबी दीपक केर संयोजन मे महिला निगरानी कमिटी केर स्थापना पर धावन-मार्गक विभिन्न स्थान पर अभियान सेहो चलायल जायत।
 
एहि दौड़ मे खुल्ला सहभागिता लेल विभिन्न धावक लोकनि अपन नामक रजिस्ट्रेशन करा सकैत छथि। दहेज मुक्त मिथिला द्वारा आयोजित एहि बेरुक मैराथन दौड़ मार्फत दहेज कूप्रथा, बाल-विवाहक विरोध, कन्या भ्रुण हत्या बन्द करबाक अपील कयल जायत। संगहि बिहार सरकार आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा राज्य केँ दहेज मुक्त करबाक संकल्पक घोषणा प्रति धन्यवाद प्रकट करबाक लेल आ संगहि-संग समाजक हरेक तवका बीच दहेजक कूरीति विरुद्ध जनचेतना प्रसार करबाक लेल दहेज मुक्त मिथिलाक जानकी वाहिनी (मिथिलाक जागरुक बेटी सभक समूह) हाथ मे परचा आ संकल्प पत्रक संग रास्ता भरिक हरेक चौक – चौराहा पर निगरानी समितिक गठन निमित्त विशेष सदस्यता अभियान केँ संचालन सेहो कयल जायत।
 
जिला भरिक विभिन्न सरकारी आ निजी विद्यालयक छात्र-छात्रा सेहो दौड़ मे भाग लैत जिला मुख्यालय पर एकत्रित हेता। एहि वर्ष ई धावन जिलाधीशक कार्यालय लहेरियासराय पर जा कय समापन होयत। समापन केर अवसर पर अनेकों समाजसेवी, शिक्षाविद्, राजनीतिकर्मी, साहित्यकार आ युवा अभियन्ता लोकनिक सभा आयोजित होयत। बिहार सरकार द्वारा कयल गेल संकल्प – दहेज मुक्त अभियान केँ आरो सशक्त ढंग सँ जमीन पर उतारबाक लेल आयोजित एहि मैराथन दौड़ मे भिन्न-भिन्न तरहक वस्तुगत सहयोग यथा रस्ता मे पीबय लेल पेयजल, सर्बत, फल, ग्लुकोज तथा दौड़ाहा लोकनि केँ संग देनिहार स्कूली बाल-बालिका तथा सामाजिक अभियानी लोकनि लेल गाड़ी उपलब्ध करेनिहार व्यक्ति वा संस्था लेल विशेष सम्मानक व्यवस्था जिलाधीश व अन्य गणमान्य व्यक्तित्व लोकनि केर हाथ सँ होयत। संगहि, दौड़क अबधि भरि सहयोगी संस्था सभक पोस्टर, बैनर आ प्रचार-प्रसार सेहो कयल जायत।
 
विदित हो जे दहेज मुक्त मिथिला नहि त कोनो सरकारी फंड पर कहियो काज करैत अछि, नहिये कहियो कोनो नगदी चन्दा आदि करैत अछि। सहयोग सिर्फ वांछित वस्तुक हो, सहयोगी प्रति उचित आभार प्रकट करबाक लेल समुचित प्रचार-प्रसार सेहो हो, एहि सिद्धान्त पर अग्रसर दहेज मुक्त मिथिलाक एहि आयोजन मे नेपालक एसियन थाई फूड्स प्रा. लि. – रमपम नूडल्स केर उत्पादक व निर्यातक द्वारा धावक तथा सहभागी सभक वास्ते गंजी (भेस्ट) उपलब्ध कराओल गेल अछि। एहि तरहें विभिन्न पब्लिक आ प्राइवेट स्कूल सब अपन वैन तथा विद्यार्थी उपलब्ध करेबाक स्वीकृति देलनि अछि। समाजसेवी तथा राजनीतिक दलक प्रतिनिधि लोकनि सेहो बटखर्चा आदि उपलब्ध करेबाक सहमति देलनि अछि। समस्त सहयोगी हाथ केँ उचित सम्मान देबाक निर्णय संस्थाक विधान मे निहित अछि। संगहि, दरभंगा जिला मे विगत १ वर्ष मे संपन्न विभिन्न दहेज मुक्त विवाह कयनिहार व्यक्तित्व सभ केँ सेहो सम्मान पत्र प्रदान कयल जेबाक निर्णय भेल अछि। एहि महायज्ञ मे भाग लेनिहार, सहयोग केनिहार तथा एकर समाचार संप्रेषण कयनिहार समस्त संचारकर्मी बंधु-बांधव प्रति सादर आभार प्रकट करैत छी।
 
आरो किनको कोनो तरहक सहयोगक आकांक्षा हो, प्रचार-प्रसार आदिक संग समाजक काज मे आगू बढबाक हो, अपन ट्रेड, अपन ब्रान्ड तथा अपन पब्लिसिटी जे आजुक वाणिज्यिक युग मे बड पैघ महत्व रखैत छैक, ताहि लेल एहि तरहक समाजिक कार्य मे सब कियो आगू बढिकय सहयोग करब त निश्चिते ओकर सखद परिणाम अहाँक उत्पाद केँ भेटत। अस्तु!
 
एहि सन्दर्भ मे आइ आर के दीपक केर नेतृत्व मे दरभंगा जिलाध्यक्ष किशोर कुमार झा तथा अन्य सदस्य लोकनिक बैसार भऽ रहल अछि। शेष सम्पूर्ण समाचारक संग जल्दिये आगाँ अपडेट करब।
 
धन्यवाद, जय मिथिला – जय जानकी!!
 
प्रवीण नारायण चौधरी
अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक,
दहेज मुक्त मिथिला।

Related Articles