Search

दहेज मुक्त मिथिलाक पुनीत प्रयास सँ दु परिवारक बीच मेल-मिलाप

कुशेश्वरस्थान, दरभंगा। मई १५, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

दहेज उत्पीड़णक मामिला सँ दियाओल गेल निजात

दहेज मुक्त मिथिलाक दरभंगा जिलाध्यक्ष किशोर झा तथा कुशेश्वर स्थान केर प्रखण्ड अध्यक्ष कौशल कुमार सहित अन्य स्थानीय महानुभाव लोकनिक सामूहिक बुझारत सँ दू टा परिवार बीच दहेज सम्बन्धी विवाद केँ निपटायल गेल अछि। जिला संयोजक मनोज शर्मा केर सक्रियता तथा अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा दुनू परिवारक लोक संग बातचीत करैत एहेन बुझारत केर आयोजन बाबा कुशेश्वरनाथक मन्दिर मे राखल गेल छल, एहि बुझारत उपरान्त दुनू परिवारक बीच मेलमिलाप करेला सँ इलाकाक लोक संस्थाक खूब सराहना कयलन्हि तथा आगामी भविष्य मे सेहो एहि तरहक प्रयास मे सभक सहयोग देबाक वचनबद्धता प्रकट कयलनि।

दहेज मुक्त मिथिला केर सफलताक सत्य कथा

एक पीड़ित परिवार, पीड़ा में रहल बेटी आ बेटाक बीच दहेज मुक्त मिथिला बाबा कुशेश्वर नाथक दरबार मे न्याय दियौलक। ईश्वर सत्ता महान अछि। किशोरजी प्रति विशेष आभार। संगहि, मनोज भाइ हमरा सभक बीच साक्षात् सल्हेस छथि। हुनकर शरीरक रक्त केर एक-एक कण मे भगवान् स्वयं रहैत छथिन। ओ न्याय लेल आतूर छलाह। हम अपन कर्तव्य केलहुँ। न्याय करबाक लेल बहुत चातुर्य आ कलाकारिताक आवश्यकता आजुक कलियुग मे होएत छैक। लेकिन मोन मे सदैव परमात्मा प्रति आस्था राखि दुइ बिछुडल प्राणी केँ एक कय देबाक न्याय आ दृढता सँ ई काज सफल भेल। दहेज मुक्त मिथिला अमित चौपाल आ मोतीलाल चौपाल केर बेटी जे करीब २ वर्ष सँ बिछुड़ल छल, दहेजक मामिला बनाकय अनेरौ एक-दोसर सँ दूर छल, तेकरा सब केँ बाबा कुशेश्वरनाथक अंगना मे न्याय दियौलक। प्रवीण नारायण चौधरी अपन स्टेटस अपडेट करैत जनतब देलनि। अछि।

दमुमि दरभंगा अध्यक्ष किशोर झा द्वारा निम्न रिपोर्ट स्वतः सब बात कहि रहल अछि:

कुशेश्वर स्थान प्रखंड केर दहेज मुक्त मिथिला प्रखंड अध्यक्ष केर नेतृत्व मे दहेज मुक्त मिथिलाक टीम एक घर केँ उजड़य सँ बचेबाक कोशिश केलक। एक दिन पहिने एहि बातक जानकारी दहेज मुक्त मिथिलाक प्रखंड अध्यक्ष द्वारा अपना जिला संयोजक मनोज शर्मा केँ देल गेल छल। एहि मामिला केँ जल्द सँ जल्द निपटेबाक लेल मनोज शर्मा अपन टीम केर अंतराष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण जी सँ बात केलनि जाहि ओ तुरन्त सुनवाई करैत दुनू पक्षक अभिभावक सँ बात कय दुनू पक्ष केँ फैसलाक लेल एक जगह एकत्रित होयबाक लेल कहलनि। घटना एहेन छल जे दुइ वर-बधू केर आपसी मतभेदक वजह सँ दुनू एक-दोसर सँ अलग रहय लागल छल। पलवा गामक लड़का पक्ष (अमित चौपाल) और हिरनी गामक लड़की पक्ष (सुमन देवी) दुनू केँ कुशेश्वरस्थान केर बाबा मंदिर केर प्रांगण मे बैसायल गेल। गणमान्य पंच केर नेतृत्व मे सभा कयल गेल। जतय दुनू परिवार केर आपसी मतभेद केँ शांतिपूर्ण तरीका सँ निपटारा करबाक कोशिश कयल गेल। कतेको घण्टा धरि सभा चलैत रहल, ताहि बीच किछु आम-आदमी लोकनि सेहो एहि फैसला केँ देखबाक लेल एकत्रित भऽ गेलाह। सब कियो पति-पत्नी केँ खूब समझेलनि-बुझेलनि। आपस मे प्यार और शांति बनाकय गुजर-बसर करैत समृद्धिक दिशा मे बढबाक लेल प्रेरित कयलनि। दहेज मुक्त मिथिला कुशेश्वरस्थान टीम केर द्वारा ई एकटा बड़ा सराहनीय पहल कयल गेल। एहि अवसर पर कार्तिक कुमार, घनश्याम चौधरी, किशोर कुमार झा, विकास कुमार झा, बबलू झा, प्रदीप झा, राजा, पंकज, गणेश जी चौपाल, मनोज चौपाल, दुर्गानंद आदि मौजूद छलाह।

 

Related Articles