जनकपुर मे राम टावर: घड़ी-घण्टा सेहो लागि गेल

सुजित कुमार झा, जनकपुर। मई ५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!
ram tower janakpur
जनकपुरक राम चौकपर किछु वर्षसँ निर्माण भऽ रहल राम टावरमे घडीघण्टा लगायल गेल अछि। साँझ आ भोरमे ओ घडीघण्टासँ गीत सेहो सुनल जाएत। एहिसँ पहिने विद्यापति चौकपर सेहो घडीघण्टा लागल छल। 
राम टाबर जनकपुरक राम युवा कमिटी बनौलक अछि। एहि काजमे स्थानीयवासीक अत्यधिक सहयोग रहल अछि। घडीघण्टाक सम्पूर्ण गीत मैथिलीमे अछि। गीतसभक छनौटक जिम्मा सुजित कुमार झा केँ भेटल छल। जाहि लेल श्री झा अशोक दत्त केर सहयोग लेलनि। दुनू मिलिकय सम्पूर्ण चुनल गीत उपरोक्त घड़ी-घण्टा मे स्वचालित बजबाक हिसाबे सेट कएलन्हि।
एहि काजमे कमिटीक अध्यक्ष रामबाबु साह, वरिष्ठ सल्लाहकार दीपक साह, सल्लाहकार परमेश्वर साह रहथि। ई पूरे टीमकेर सकारात्मक समन्वय सँ नीक संयोजनक परिणाम घडीघण्टाक गीत-संगीत मूर्तरुप लेलक अछि।