मैथिली साहित्यिक सांस्कृतिक समितिक दसम वार्षिकोत्सव धुमधामसँ मधुबनीमे सम्पन्न

मैथिली साहित्यिक सांस्कृतिक समिति मधुबनीक १०म वार्षिकोत्सव संपन्न

मधुबनी, ९ फरवरी, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली भाषा आ साहित्यक संग-संग संस्कृति केर विविध आयाम केँ संरक्षकत्व प्रदान करबाक कार्य मे निरंतर कार्यरत संस्था मैथिली साहित्यिक सांस्कृतिक समिति मधुबनी द्वारा दसम वार्षिकोत्सवपर विभिन्न आयोजनक सफलतापूर्वक काल्हि ८ फरवरी मधुबनीक आदर्शनगर मे संपन्न कयल गेल अछि, जाहि मे एक सँ बढिकय एक दिग्गज स्रष्टा साहित्यकार ‍- गायक – युवा प्रतिभा लोकनि केँ सम्मानित सेहो कयल गेल अछि।

एहि अवसरपर साहित्यकार कीर्ति नारायण मिश्र (बरौनी), साहित्यकार एवं पूर्व शिक्षामंत्री राम लखन राम रमण, वरिष्ठ कवि उदयचन्द्र झा’विनोद’, रमानंद झा रमण, रमेश, सुनील कुमार मल्लिक उपस्थिति रहल। मिथिला नाट्यकला परिषद् जनकपुर केर विभिन्न कलाकारक टोली द्वारा सांस्कृतिक कार्यक्रम प्रस्तुत कयल गेल। तहिना संस्थाक मुखपत्र ‘अरुणिमा’ केर लोकार्पण सेहो कयल कयल गेल।

संस्थाक संस्थापक सह कार्यक्रम संयोजक कवि दिलीप झा अपन फेसबुक मार्फत संछिप्त अपडेट मे कहलनि अछि जे मैथिली साहित्यिक सांस्कृतिक समितिक दसम वार्षिक समारोहमे दू व्यक्तित्वकेँ देखबाक सुनबाक चिर-प्रतीक्षित सेहन्ता छल, मैथिलीक कीर्तिपुरुष कीर्तिनारायण मिश्र (बरौनी) आ आधुनिक मैथिली गीत-संगीतक सुपर स्टार सुनील कुमार मल्लिक (जनकपुर) से पूर भेल। दूनू व्यक्तित्वक लेल आभार शब्द कम अछि। जनकपुरक मिथिला नाट्यकला परिषदक आयल एक-एक सदस्यक प्रति आभार संगहि साहित्य क्षेत्रक अनेक हस्तक्षर जे उपस्थित भेलाह, हुनक यथोचित सम्मान समिति नहि क’ सकल। समिति केँ ताहिलेल सभगोटे क्षमा करथि। सम्मान, पुरस्कार, लोकार्पण त’ भेबे कयल समवेत उपस्थित जनसमूह सँ ई प्रस्ताव पारित कयल गेल जे प्राथमिक पाठशालामे मैथिलीक पढ़ौनीक लेल हस्ताक्षर अभियान चलायल जाय। समिति शीघ्रे एहि काज केँ प्रारंभ करत। ई लोकनि उपस्थित भ’ समितिक मान बढ़ौलनि। सर्वश्री राम लखन राम रमण, उदयचन्द्र झा विनोद, रामचन्द्र मिश्र मधुकर, महेन्द्र नारायण राम, अजित आजाद, उदय जायसवाल, रमेश, जगदीश मंडल, नारायण यादव, ऋषि बशिस्ठ, बैद्यनाथ झा, गुफरान जिलानी, चन्द्रशेखर झा आजाद, विनयानन्द झा, अर्जुन कविराज, डा. शिवकुमार, प्रो. केदारनाथ झा, आनन्द कुमार झा, प्रो. शुभकुमार बर्णवाल, डा. इन्द्र मोहन झा सहित मधुबनीक पत्रकार, साहित्यकार, गणमान्यक प्रति नत छी। धन्यवाद।

विदित हो जे आयोजक संस्था द्वारा साहित्यकारक रूप मे डा. उमाकान्त, गायक केर रूप मे सुनील कुमार मल्लिक, चित्रकारक रूप मे अरहुलिया देवी आ युवा कविक रूप मे अक्षय आनन्द सन्नी केँ सम्मान पत्रक संग पाग-दोपटा माला सँ सम्मानित कयल गेल।