Search

कर्मचारीकेँ मैथिली सिखबाक वास्ते कार्यशाला आ मिथिलाक्षर बचेबाक लेल मैथिली क्लबः जिलाधिकारी

मधुबनी, २४ जनवरी, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

आइ मधुबनीक नगर परिषद् सभाभवन मे चेतना समिति, पटना द्वारा जननायक कर्पुरी ठाकुर जयन्ती समारोहक आयोजन राखल गेल अछि। एहि मे जिलाक विभिन्न क्षेत्रक प्रतिनिधि लोकनि भाग लय रहला अछि। एहि समारोह मे मधुबनी जिलाधिकारी श्री शीर्षत कपिल अशोक द्वारा मैथिली भाषा, साहित्य आ मिथिलाक लोकसंस्कृतिक प्राचीनता आ ऐतिहासिकता समाजक संग-संग एक पूर्ण सभ्यताक निर्माण मे सराहनीय भूमिका रहबाक बात कहल गेल अछि। ओ बजलाह जे राज्य सेहो एहि भाषा, संस्कृति आ जिलान्तर्गत धरोहर आ लोकसंस्कृतिक अनेकानेक महत्वपूर्ण विन्दुपर आगामी समय मे उल्लेखनीय काज करबाक मानसिकता रखैत अछि।

भाषा, संस्कृति आ समाज लेल जाग्रत युवा अभियानी आशीष कुमार मिश्र मैथिली जिन्दाबाद केँ जनतब दैत कहलनि जे मधुबनी जिला पदाधिकारी श्री शीर्षित कपिल अशोक मधुबनीवासीक मोन गदगद कय देलैन। ओ घोषणा केलैन है जे विलुप्त होइत मैथिली भाषा आर ओकर लिपिक संरक्षण लेल मैथिली भाषा क्लब केर शुरूआत कयल जायत। बकौल जिलाधिकारी किछु आरो घोषणा सब कयल गेल जाहि मे मुख्यरूप सँ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा घोषित मिथिला चित्रकला संस्थान जे सौराठ संस्कृत उच्च विद्यालय मे खुलैय वला अछि से स्थापनाक समस्त पूर्वाधार तैयार करैत जल्दिये मुर्त रूप मे आरम्भ कयल जेबाक जनतब देलनि। तत्काल स्तरपर एहि संस्थान सँ डिपलोमा कोर्स केर शुरूआत कयल जायत, ओ कहलनि।

जिलाधिकारी मधुबनी जिला मे पुरान धरोहर सब मे वर्तमान समय धरि जीवित स्थल या अवशेषकेर संवर्धन एवं संरक्षण लेल विशेष व्यवस्था करबाक बात सेहो सरकारक नजरि मे रहबाक बात कहलनि, एहि मे सौराठ सभागाछीक चर्चा सेहो केला। मधुबनी जिला मे कार्यरत समस्त सरकारी कर्मचारी केँ मैथिली बजनाइ आ बुझनाइ सहज बनेबाक वास्ते मैथिली कार्यशाला केर आयोजनक सेहो घोषणा भेल। संगहि संग ओ कहला जे मैथिली भाषाक लिपि (मिथिलाक्षर) जे लोपोन्मुख अवस्था मे अछि, एकरा बचेबाक वास्ते मैथिली भाषा कलब केर गठन सेहो कयल जायत।

जननायक कर्पूरी ठाकुर केर जयन्ती समारोह मे हुनकर आजीवन प्रयासमे आमजन केँ पूर्ण साक्षर बनेबाक वास्ते अंग्रेजी शिक्षाक बदले मातृभाषाक माध्यम मे शिक्षा प्रदान करबाक सोच केर विशेष रूप सँ विद्वान वक्ता लोकनि द्वारा चर्चा कयल गेल। हुनकहि कार्यकाल मे प्राथमिक विद्यालयक पोथी सब सेहो मैथिली भाषा मे लिखबाओल-प्रकाशित कराओल जेबाक दृष्टान्त पर सेहो चर्चा कयल गेल। समितिक पदाधिकारी मे अध्यक्ष विवेकानन्द झा आ सचिव उमेश मिश्रक अलावे स्थानीय समाजक वयोवृद्ध राजनीतिज्ञ ज्योति रमण झा, पूर्व विधायक ऋषि मिश्र, विधायक सुधांशु शेखर, अब्दुल कयूम, रामलखन राम रमण सहित आरो अनेको गणमान्य व्यक्तित्व लोकनिक नीक उपस्थिति छल।

मैथिलीक वरिष्ठ कवि एवं समाजसेवी उदयचन्द्र झा विनोद द्वारा जिलाधिकारीक घोषणा कार्यरूप मे परिणति पेबाक बादे प्रसन्न होयबाक स्थिति आओत कहैत प्रतिक्रिया व्यक्त कयलनि अछि। ओत्तहि मैथिली भाषा-साहित्यक वरेण्य साहित्यकार डा. रमानन्द झा रमण मैथिली-मिथिला लेल अंग्रेजी शासनक समयमे मधुबनी जिलाक कलक्टर विद्वान् डा. जार्ज अब्राहम ग्रियर्सन जहिना किछु सार्थक कार्य करैत अपन नाम अमर कयलन्हि तहिना शीर्षत अशोक कपिल स्वतंत्र भारतक मधुबनी जिलाक जिलाधीश होयबाक नाते किछु नीक कय अपन नाम अमर करबाक मौकाक उपयोग करथि से शुभकामना व्यक्त कयलनि अछि। सोशल मीडियापर आशीष कुमार मिश्र द्वारा देल गेल एहि खबर केँ अधिकांश लोक सराहना करैत स्वागत कयलनि अछि।

Related Articles