२५ अप्रैल आयल विनाशकारी भूकंप सँ हाल धरि सरकारी आँकड़ा अनुसार करीब १० हजार लोकक मृत्युक पुष्टि कय देल गेल अछि जखन कि आगाँ भेट रहल ग्रामीण भागक सूचना, भितरिया क्षेत्र आ विभिन्न दुर्गम क्षेत्रक सूचना सब सँ ई संख्या मे अप्रत्याशित वृद्धि होयबाक आशंका अछि।
आउ, देखी जे भूकंपक दसम दिन विभिन्न समाचार स्रोत सँ कि सब अपडेट्स उपलब्ध अछि:
राजधानी काठमांडु सँ करीब ६० किमी लांगटांग मे करीब १०० पर्वतारोहीक लाश ६ फीट बर्फक परत कोरिकेँ निकालल गेल अछि, आगु आरो कोरबाक कार्य चलिये रहल अछि। ई नहि पता छैक जे एहि ठाम कतेक पर्वतारोही ठहरल छल। एहि १०० मे सँ ७ विदेशी नागरिकक शव थीक जाहि मे सँ मात्र २ जनक शवकेर शनाखत कैल जा सकल अछि। अन्दाज सँ लगभग १२० लोक आरो दबल रहबाक आशंका अछि। भूकंपक बाद चलल बर्फक बाढि सँ ई पर्वतारोही सब दैब गेल छल।
गोरखा जिला मुख्यालय सँ लगभग ६५ किमी केर दूरी पर बारपाक गाम जतय भूकंपक केन्द्र सेहो मानल जाइत अछि, एहिठाम लगभग सब किछु नष्ट भऽ चुकल अछि। एहि गामक चर्चा नेपाल संग विश्वक अनेको देश मे अछि, कारण एतय सँ एक पर एक सेनानी सब द्वितीय विश्वयुद्ध सहित वर्तमान भारत, नेपाल, ब्रिटेन व अन्य देश मे हाल धरि बहादूर सेनाक रूप मे कार्य करबाक लेल प्रसिद्ध अछि। एहि गामकेँ नेपालक मानचित्र सर्वाधिक प्रगतिशाली गामक रूपमे पहिचान स्थापित छैक। एतय १५० मेगावाट पनबिजली परियोजना सँ लैत विद्यालय, अस्पताल, संग्रहालय, टेलिफोन टावर व अन्य भौतिक संरचना उपलब्ध छल। करीब साढे चौदह सौ घर एतय छल जे सबटा ध्वस्त भऽ गेल अछि। एहि गामक ६८ आदमीक मृत्यु, २४५ घायल भऽ गेल आ ५ आदमी लापता जेकरा एखनहु ताकल जा रहल अछि।
तथ्यांक बता रहल अछि जे काठमांडुक बालाजू, गोंगबू, धापासी क्षेत्र मे सर्वाधिक नोकसानी भेल। मकानक निचाँ भागक जमीनक संरचना लूज होयबाक कारणे मकान बैसबाक समस्या एहि क्षेत्र मे बेसी हेबाक कारणे ७.८ रिक्टर स्केलक भूकंप एहि जगह लेल विनाशक सिद्ध भेल।
राहत कार्य केर गति सँ तीव्र राहत कोष केर संचालन मे राजनीतिक मारामारी बेसी होयबाक समाचार सब सामाजिक संजाल मे चर्चा मे आबि गेल अछि। नेपाली मिडिया द्वारा सेहो भारतीय मिडियाक टीआरपी बेसी बढबाक भय सँ या आन्तरिक राजनीति सँ भारत-विरोधी लहरक परिणाम आदिक चलते कूप्रचार होयबाक दृष्टान्त सब देखय मे आबि रहल अछि।