नितीश कुमार केँ नेपाल जेबाक अनुमति नहि देलक केन्द्र सरकार

नितीश कुमार माथ पर मिथिलाक पाग केँ सरियाबैत - हालमे नितीश पर मिथिला प्रति सद्भाव बढबाक किछु विशेष प्रभाव देखल जाइत अछि। फोटो: सुजित कुमार
nitish with paag
नितीश कुमार माथ पर मिथिलाक पाग सरियबैत – हालमे मिथिला प्रति सौहार्द्र-सद्भाव बढबाक किछु विशेष अवस्था देखल गेल अछि। फोटो: सुजित कुमार

खबैर आयल अछि जे बिहारक मुख्यमंत्री नितीश कुमार नेपालक जनकपुर जेबाक इच्छा प्रकट केलैन, ओ नेपालक महाविनाशकारी भूकंप त्रासदीक बाद जानकी मन्दिर व मूलत: तराईवासीक पीड़ा प्रति अपन सौहार्द्रता प्रकट करय लेल जाय चाहैत छलाह, मुदा ताहि लेल वांछित केन्द्र सरकारक अनुमति हुनका नहि देल गेलनि आ बदला मे कहल गेलनि जे वर्तमान सँ बेसी उपयुक्त समय मे अपनेक यात्रा उचित होयत। तर्क देल गेलैक जे वर्तमान समय नेपालक समस्त सरकारी संयंत्र भयंकर बर्बादी सँ निबटबा मे लागल छैक, ओहि ठाम माहौल कोनो विदेशी पाहुनकेँ स्वागत वा ओहि दिशा मे ध्यान देबय योग्य एकदम नहि छैक। जखन कि एकटा मुख्यमंत्रीक पड़ोसी मित्रराष्ट्रक दौरा हो आ सुरक्षा सँ लैत आरो समुचित रहबाक-घुमबाक इन्तजाम नहि हो तऽ एहि सँ अतिथि आ घरबैया दुनुक इज्जत मलिन होइत छैक। तैँ केन्द्र द्वारा मात्र हुनका सँ उपयुक्त समय केर चुनाव करैत दौरा आगाँ बढेबाक लेल कहल गेल छन्हि, एहि भावनाक जानकारी भारतीय विदेश मंत्रालय द्वारा करायल गेल अछि।

राज्य सरकारक शिकायत छैक जे जखन-जखन नितीश कुमार नेपालक यात्रा पर जेबाक लेल अनुमति मंगलैन, कोनो न कोनो बहन्ने हुनका रोकल गेलनि अछि। एहि सँ पूर्व कोसीक डैम फूटबाक घटना पर नितीश नेपालक बाढि-पीडितकेँ भेटबाक उद्देश्य सँ अनुमति मंगने छलाह, तहियो नहि हुनका रोकल गेल छलन्हि। तहिना नेपालक अति लोकप्रिय प्रधानमंत्री गिरिजा प्रसाद कोइरालाक अन्त्येष्टि मे सेहो ओ भाग लेबय लेल चाहैत छलाह, पटना आ बिहार सँ विशेष संबंध केँ सम्मान दैत ई सहभागिताक निर्वाह तक हुनका नहि करय देल गेल छल। तहिना शार्क शिखर सम्मेलन चलि रहल समय नितीश एक बेर आरो जनकपुर जेबाक इच्छा प्रकट केने छलाह, मुदा प्रधानमंत्री मोदीक ताहि समय नेपालक यात्रा चलि रहबाक कारणे मना कैल गेल छलन्हि। बात जे भी हो, मोदी आ नितीश दुनु गोटा मे मिथिलाक ऐतिहासिक राजधानी जनकपुर अयबाक प्रबल इच्छा भले जहिया सफल होय, लेकिन एतेक प्रेम राखब मैथिल केँ जरुर हिनका सबहक प्रति सौहार्द्रक भावना जाग्रत करैत अछि। जनकपुर सँ मैथिल स्रष्टा एवं पत्रकार सुजित झा कहैत छथि जे एहि तरहें बेर-बेर कोनो पैघ भारतीय नेताक जनकपुर आगमन केँ बाधित करबाक कारण जे किछु हो मुदा जनकपुरक जनताकेँ ई अनसोहाँत लगैत अछि।