मधेपुर, मधुबनी। दिसम्बर ११, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
समाजक पिछड़ा आ असहाय वर्गक बच्चा सब केँ साक्षर बनेबाक विशेष अभियान ‘ज्ञानोदय’ द्वारा मधेपुर मे समारोहपूर्वक समाजोपयोगी सामाजिक अभियन्ता लोकनि केँ सम्मान प्रदाक कयल गेल अछि। दहेज मुक्त मिथिलाक ब्रान्ड एम्बेसडर आरके दीपक अपन फेसबुक मार्फत ई जनतब देलनि अछि।
दीपक ज्ञानोदय द्वारा समाजक हित मे कयल जा रहल अत्यन्त महत्वपूर्ण कार्यक भरपूर सराहना करैत एहि यज्ञ मे अपनो समुचित योगदान देबाक बात बतेलनि अछि। ओ कहलैन जे एक शिक्षक केर कार्य जंगल केँ काटब नहि, बल्कि रेगिस्तान केँ सेहो सींचब होएत छैक – ई उक्ति कोनो पुस्तक मे पढने रही। लेकिन काल्हिक आयोजन प्रभाष झा केर संयोजन मे ई सिद्ध करैत प्रतीत भेल। अनेको गण्यमान्य व्यक्तित्व सब सँ भेंटघाँट करबाक सौभाग्य भेटल। हिनका सभक उद्देश्य एक्के टा छल जे अपन मौलिक अधिकार प्रति लोक-समाज केँ कोना जागृत करब आर अपन कर्तव्यपरायणता सँ समाज केर हित कोना करब।
विदित हो जे ज्ञानोदय ग्रामीण भेगक पिछड़ा आ असहाय वर्ग-समुदायक छात्र-छात्रा केँ शिक्षाक संस्कार सँ सुसंस्कृत बनेबाक लेल निरन्तर प्रयास करैत आबि रहल अछि। संगहि एहि अभियान द्वारा समाजक सक्षम वर्गक लोक केँ पिछड़ल वर्ग प्रति कर्तब्यबोध करेबाक जनजागरणमूलक कार्यक्रम सेहो समय-समय पर आयोजित कयल जाएछ। एहि क्रम मे काल्हि आरके दीपक सहित समाजक विभिन्न क्षेत्र मे महत्वपूर्ण योगदान देनिहार अन्य-अन्य व्यक्तित्व सब केँ पाग, माल, दोपटा आदि प्रदान करैत सम्मान कयल गेल।
दीपक कहैत छथि जे काल्हि बहुत सुखद क्षण भेटल जे ज्ञानोदय केर बच्चा सभक संग और वरिष्ठ अधिवक्ता कमलेश कुमार मिश्र, शिक्षाविद् नन्द कुमार, जनचेतना अभियान संयोजक सुजीत चौधरी, वरिष्ठयोग शिक्षक (Art of Living) विनयानंद, वरिष्ठ समाजसेवी विजयजी, मिथिला स्टूडेन्ट यूनियनक मधुबनी जिलाध्यक्ष राघवेन्द्र कुमार, जनजीवक कल्याण संघ संयोजक अविनाश कुमार, समाजसेवी सतंजीव झा, अनिल झा , विकास झा, कौशल कुमार (दहेज मुक्त मिथिला) एवं अन्य सम्मानित अतिथिगण केर संग अपन मिथिला समाजक हित वास्ते विभिन्न सरोकार पर चर्चाक अवसर भेटल। संयोजक प्रभाष झा केँ धन्यवाद ज्ञापन करैत एहि तरहक प्लेटफॉर्म तैयार केला सँ समाजक हित मे आबयवला अवरोध, कठिनाई आदि विषय पर मंथन करबाक मौका भेटल – दीपक कहलैन।