Search

नेपाल मे मधेशक स्थिति आ राजनीति मे जातिवादिताक दाँव-पेंच

धीरे-धीरे नेपाल मे मधेश कहायवला क्षेत्र मे – दोसर तरहें कही त सौंसे नेपालहुँ मे ‘जाति आधारित राजनीति’ केर नव शुरुआत ओहिना भऽ रहल अछि जेना भारत मे गणतंत्र स्थापना भेलाक बाद भेल। भारतक आर राज्य जे विकसित या विकासशील श्रेणी मे अछि ओतय ई जाति आधारित राजनीति ‘विकास ओ प्रगति’ केर सामने बौना सिद्ध भेल। मुदा बिहार आ उत्तर प्रदेश जे अपन जनसंख्या आ क्षेत्रफल केर दम पर देश मे खूब सशक्त राजनीतिक हस्तक्षेप रखैत अछि, तैयो जातिवादिताक आधार पर राजनीति हावी होयबाक कारण उल्टे ‘विकास आ प्रगति’ गौण भेल छैक, एतुका लोक आन राज्यक लोक केर चाकर बनि बाहर प्रवासक जीवन जियैत अपनहि समृद्ध लोकसंस्कृति केँ चौपट करैत आबि रहल अछि।

लेकिन ओहू बिहार-यूपी मे धीरे-धीरे ई धूँध – कूहेसा छँटल जा रहलैक अछि। धीरे-धीरे सब केँ ई बुझाय लागलैक अछि जे मानवीय मूल्य ओ मान्यता केँ नकारि जातीय अहंकार आ जनसंख्या या क्षेत्रफलक धौंस एहि ग्लोबल ह्युमैन फेमिली मे बेसी नहि टिकि सकत आ पिछड़ापण एना ताण्डव करत जे हम सब बहुत पाछाँ छूटि जायब…. एहने एकटा अवसर छल हमरा लेल पिछला वर्ष भारतीय मिथिला क्षेत्रक सुपौल जिलाक हरदी गाम मे आयोजित लोकदेवता लोरिकदेवक जीवन पर आधारित लघु फिल्म “इतिहास” केर मुहुरत दिवस। ताहि दिन एहि क्षेत्रक विधायकजीक मुंह सँ हम गोटेक चिन्तन एहि विन्दु पर सुनने रही। जिलाधीश बैद्यनाथ यादव केर मुंह सँ सेहो विद्वत् चर्चा सुनि मोन गद्गद् भेल छल। जातिवादिताक सुर-ताल एक न एक दिन हारत आ हम सब अपन मूल्य-मान्यता केँ सर्वोपरि सिद्ध कय मिथिलाक सनातन पहिचान केँ कायम राखय मे सफल बनब।

आइ गोटेक युवा नेपालहुँ मे बाभन जाति केँ खुलेआम गरिआबय सँ नहि चुकि रहला अछि। बाभन एखन अपन कर्महीनता सँ एहेन अब्बल काठ बनि गेल छथि जे केहनो कीड़ा-मकोड़ा हिनका लोकनि केँ खेबा मे परहेज नहि करैत अछि। चुनावक समय छैक नेपाल मे – मधेश २२ जिला सँ मिथिलाक ८ जिला मे सीमित भऽ गेलैक आ जतेक बड़का मधेशवादी सब छलाह ओ सब प्रदेश २ मे कोहुना जीतबाक लेल नोमिनेशन फायल कयलन्हि अछि। मुदा प्रदेश २ मे पहिनहुँ त मधेशिये सब चुनाव लड़ैत जितैत रहल अछि, त आब अपने मे अपने जे कटाउझ करत त आखिर जीत कोन मुद्दा पर हासिल करत – ई सवाल छैक, त ‘जातिवादिता’ केर विषालू दुर्गन्ध एतय सेहो बिल्कुल बिहार-यूपी जेकाँ चालू अछि। आब किछु दिन मे एतहु मुख्यमंत्री आ प्रदेशक अनेक तह मे राजनीति यैह कुकराकटाउझ सब संग होयत। मुदा चेतना भेटय – यदुवंशीजी विधायक महोदयक एहि वीडियो सँ अपने लोकनि एखनहि सँ चेतैत अपन मूल्य – मान्यता – सार्वभौम – संप्रभुताक रक्षा करी से हमर निवेदन।

लिंकः
https://www.facebook.com/pravin.choudhary/videos/10155453872738492/

हरिः हरः!!

Related Articles