विचार
– प्रवीण नारायण चौधरी
मिथिलाक पौराणिक गाथा मे अष्टावक्र केर उदाहरण सर्वविदित अछि। कहाँदिन राजा जनकक दरबार मे ज्ञानी अष्टावक्र प्रवेश चाहि रहल छलाह, मुदा हुनकर रूप-रंग देखि द्वारपाल बहुत बात-कथा कहि देने छलन्हि। अष्टावक्र द्वारा प्रवेशाज्ञा मंगलापर द्वारपाल कहने रहनि जे चलू-चलू, बड़ा एलौं अछि अपन बुद्धिमत्ता आ ज्ञानक प्रदर्शन करय, एहि मिथिला मे पहिने सँ एक-पर-एक सुरेबगर विद्वान् भरल छथि। स्वयं राजा जनक केर विद्वताक चर्चा पूरे विश्व समुदाय मे होएछ। कतय-कतय सँ लोक शिक्षा ग्रहण करय लेल एतय अबैत अछि। अहाँक रूप-रंग बता रहल अछि जे कतेक बड़का ज्ञानी छी। ८ ठाम त देह टेढ अछि। दिमाग सेहो कतय-कतय टेढ होयत से के जनैत अछि। अष्टावक्र द्वारपालक एहि व्यवहार सँ कुपित भेलाह आ राजा जनक केँ बिना भेंट कएने ओतय सँ नहि लौटबाक जिद्द कएलनि। अन्त-अन्त मे हुनका सँ भेंट करबाक लेल राजा जनक स्वयं दरबार सँ बाहर आबि द्वार पर एलाह आर हुनक ज्ञान सँ ओत-प्रोत बात सुनि हुनका गुरुतुल्य मानलनि। राजाक दरबारी आ द्वारपाल सब काफी लज्जित भऽ विद्वान्-ज्ञानी अष्टावक्र सँ माफी मांगलनि। ताहि क्रम मे अष्टावक्र द्वारा राजा जनक केँ गीताक उपदेश सेहो कएल गेल छल। अष्टावक्र गीताक नाम सँ ई शास्त्र आइयो उपलब्ध अछि आर ओतबे लब्ध प्रतिष्ठित अछि।
हाल एक समाचार पढय लेल भेटल जाहि मे दक्षिण भारत केर एक युवा आ कलासंपन्न व्यक्तित्व एटली कुमार नामक फिल्म निर्देशक सँ जुड़ल अछि। यथार्थतः एटली कुमार देखय मे पृश्याम रंगक छथि, मुदा हुनक प्रेयसी सह पत्नी अति दिव आ सुन्दरी छथि। एहि प्रसंग पर फेसबुक, ट्विटर और व्हासट्ऐप पर आइ-काल्हि एक सांवला रंगक लड़का और खूबसूरत लड़कीक तस्वीर सोशल मीडिया पर वायरल भऽ रहल अछि आर एहि जोड़ी केँ लय यूजर्स तरह-तरह केर पोस्ट और कमेंट करैत मजाक उड़ा रहल अछि – ई खबरि देल गेल अछि। फोटो मे देखा रहल शख्स देखय मे बेशक साधारणे हो, लेकिन हिनकर शख्सियत बहुत खास अछि। दरअसल, ई तस्वीर तमिल फिल्मक डायरेक्टर और स्क्रीनराइटर एटली कुमार केर थिक। २१ सितंबर १९८६ केँ तमिलनाडुक मदुरै मे जन्म भेल एटलीक पूरा नाम अरुण कुमार थिक। २०१३ मे, एटली कुमार द्वारा ‘राजा रानी’ फिल्म सँ फिल्म इंडस्ट्री मे डेब्यू कएल गेल। ‘राजा रानी’ साउथ इंडियन बॉक्स ऑफिस पर चारि हफ्ताक भीतर ५०० मिलियन सँ अधिक कमाई केलाक बाद बड़ पैघ सफलता हासिल केने छल। एकरा बाद हिनका बेस्ट डेब्यू डायरेक्टर केर लेल विजय अवॉर्ड सेहो भेटल छलन्हि। एटली कुमार द्वारा मशहूर डायरेक्टर एस शंकर केर अंडर मे पांच साल काज कएने छलाह। असिस्टेंट डायरेक्टर कुमार अपन ऐगला फिल्म Nanban (२०१२) मे हुनका संग काज करब जारी रखने छलाह, जे हिंदी फिल्म ३ इडियट्स केर रीमेक छल। ओ अपन प्रोडक्शन हाउस ए ऐपल प्रोडक्शन शुरू कयलनि और फॉक्स स्टार स्टूडियोज़ केर संग अपन पहली फिल्म ‘Sangili Bungili Kadhava Thorae’ बनेलनि। करीब ८ साल केर रिलेशनशिपक बाद एटली और कृष्णा प्रिया वैवाहि बंधन में बन्हा गेला। २०१४ मे भेल एहि प्रेमी जोड़ाक विवाह मे साउथ इंडियाक दिग्गज हस्ती सब भाग लेने छलाह। कृष्णा प्रिया मशहूर टीवी एक्ट्रेस छथि आर कतेको सीरियल्स मे मुख्य भूमिका अदा कय चुकली अछि। एकर अलावा ओ साउथ केर सुपरहिट फिल्म ‘सिंघम’ मे दिव्या महालिंगम केर कैरेक्टर मे नजर आबि चुकली अछि। हिनका लोकनिक फोटो पर कलाक महत्व सँ अन्जान लोक मूर्खतापूर्ण अभद्र टिप्पणी करैत अपनहि बेइज्जती करा रहला अछि, यैह कहल जा सकैत छैक। कलासम्पन्न व्यक्तिक व्यक्तित्व सदैव प्रणम्य होएछ, एतेक बुझला सँ हमरा लोकनिक काज चलि जायत। (समाचारः साभार दैनिक भास्कर)

3 Comments
Neek Lekh aur paripoorna shodh.. Wastav mein samaj mein vyapat anek tarah samsya par ruchigarpoorna lekh sab sa patahakvarg ke bich Maithili Zindabad apan varchaswa kayam kene ja rahal achhi.. Bahut Badhiya
बहुत नीक देवेशजी – आब प्रिन्ट तरफ ध्यान देबाक आवश्यकता। आरएनआइ अफिस समयाभाव मे हम नहि जा सकलहुँ। हरिः हरः!!
Jee Print Hetu Humar Taiyari As Promised Pura Aichh, From office to cost of 10000 copy and all. Bas anha sa ahi lel ekta varta chahi, hum ohi din e kaj karwa dene rahi. Onahu Janhit Samachar namak newspapar humra disa nirdesh par doo warsh poorv suru bhel rahai ta pura set up rahbe karai. aur visesh bat ka liya. here all is ready from our side. I love to fulfill my word and promise and with mentor like u, I am very careful with my words and promises.