Search

वर्तमान शिक्षण प्रणाली आ एकर दुष्परिणाम केर जिम्मेदार के ?

विचार

– आनन्द मोहन झा

अभी हालहि  मधुबनी मे मिथिला सेवी राघबेन्द्र रमण केर अनुज बारहवीं परीक्षा मे अनुतीर्ण भेलाक कारणे आत्महत्या कय लेलन्हि। शोकाकुल परिवार केर व्यथा अपने सब बुइझ सकैत छी। मुदा अहाँ लेल त ई एकटा न्यूज़ मात्र भ सकैय कियाकि अहाँ सब सबटा दोष सरकार केँ दय अपन कर्तव्य केर इतिश्री बुइझ लैत छी।

ई घटना मात्र सरकार केर शिक्षा व्यवस्था पर नै अपितु हमरा-अहाँक समाजक मानसिकता पर सेहो बड्ड पैघ प्रश्न चिह्न ठाढ करैत अछि। हम सभ अपना परिवारक  बच्चा केर गुण-अवगुण, आ ओकर मष्तिष्क में विद्यमान अद्भुत क्षमता सँ अनभिज्ञ छी आ ओकरा अपना समाजक हिसाब स चलाबय चाहैत छी, बिना ई सोचने कि अहाँक बच्चा कोनो कम्प्युटर नहि थिक जे अहाँ अपना पसंद केर सोफ्टवेयर इंस्टाल कय अपना रुचिक काज लय लेब। देखियौ! अहाँक बच्चाक मष्तिष्क केर प्रोग्रामिंग गर्भावस्थाक चारिम सप्ताह सँ शुरू भऽ गेल रहैछ, आ एना में अहाँ अपना हिसाब सऽ बाद मे प्रोग्रामिंग करय चाहब त रिजल्ट केर जिम्मेदारी सेहो अहींक होयत।

कोनो भी बच्चा मंदबुद्धि नै होइत छैक, मुदा जौ कोनो विशेष क्षेत्र में ओकर रूचि नै लागल, या ओ ओही विशेष क्षेत्र में कमजोर छैक त हम अहाँ आ हमरा लोकनिक समाज ओहि बच्चा केँ मंदबुद्धि कहिते-कहिते ओकरा मंदबुद्धि बनइये कय छोड़ैत छी। एना में कहू जे दोषी के, ओ बच्चा या हम-अहाँ आ हमरा लोकनिक समाज! जेकर मष्तिष्क निर्माण में हमरा-अहाँक कोनो योगदान नै, तखन हम-अहाँ ओकरा मंदबुद्धि बनाबय मे अपन पूरा योगदान कियैक दैत छी!

देखियौ परीक्षा मे भेटल प्राप्तांक सँ  अहाँ बच्चा केर प्रतिभाक आकलन नै करु, ओकर प्रतिभा केँ चिन्हु आ ओकर विकास करियौक, तखने एकटा स्वस्थ समाजक निर्माण भ सकत। अपन बच्चा पर बेसी सँ बेसी नम्बर अनबाक बोझ नै थोपू, ओकर प्रतिभा केँ  प्रोत्साहित करियौ जाहि सँ ओ अपन पंसदीदा क्षेत्र मे अपन कैरियर बना खुशहाल जीवन जी सकैय।

सब बच्चा सब क्षेत्र मे नीक प्रदर्शन नै कऽ सकैछ, मुदा कोनो नै कोनो क्षेत्र एहन जरुर छैक जाहि में अहाँक बच्चा बहुत नीक प्रदर्शन कय सकैछ, त आबो विलम्ब नै करू आ अपन अपन बच्चा केर उज्ज्वल भविष्य हेतु ओकर प्रतिभाक पहिचान करू आ ओकरा प्रोत्साहित करू। समाज केँ देखाबय लेल या समाजक टिटकारी मे अपन बच्चा संग अन्याय नै करू। बहुत रास एहन विकसित राष्ट्र छैक जाहि मे बच्चा सबहक प्रतिभाक आकलन नर्सरी मे भऽ जाएत छैक,  आ ओकर प्रतिभा केर आधार पर ओहि बच्चा केँ आगाँ भविष्यक कैरियर केर निर्धारण बचपने मे भऽ जाएत छैक। एहि क्षेत्र मे भारत एखन धैर बहुत पछुआयल अछि। मुदा आब एकर समाधान निकालबाक लेल जापान सऽ एकटा विशेष टेक्नोलॉजी जे बच्चा केँ जन्मजात क्षमता आ प्रतिभा केँ उजागर करैत सटीक कैरियर लेल सुझाव दैत अछि, आब ई प्रविधि अहाँ सभक शहर में सेहो आबि गेल अछि।

विशेष जानकारी आ निःशुल्क  कैरियर काउन्सेलिंग लेल, भविष्य निर्माण सम्बंधित सल्लाह-सुझाव लेल अहां अपन सवाल पठा सकैय छी। हमर ईमेल अछि [email protected] , अहाँ व्हाटसैप पर सेहो अपन सवाल पठा सकैत छी जाहि लेल हमर व्हाटसैप नम्बर रहल अछि +91-9871949259. हम स्वयं एहि विधाक शोधकार्य मे कार्यरत छी आर विशेष कय अपन मिथिला क्षेत्रक लोक लेल सेवा उपलब्ध करेबाक हार्दिक इच्छा रखैत छी।

Related Articles