नैन्सी केँ न्याय दियेबाक लेल जैड़ सँ संघर्षक जरुरत: रवि दिन अंधरामठ थाना पर धरना

विराटनगर, मई ३१, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

सोशल मीडिया सँ बयानवीर मात्र बनने माहौल त बनैत छैक मुदा सार्थक परिवर्तन केर महत्वपूर्ण कार्य नहि भऽ पबैत छैक। आइ मिथिलाक केन्द्रीय भूभाग मधुबनी जिलाक प्रसिद्ध गाम मे गामहि केर लोक द्वारा गामक नावालिग बेटी संग कएल दुष्कर्म आर हत्या सँ माहौल बिगैड़ गेल अछि। आर न्याय लेल विभिन्न स्तर पर संघर्ष कएल जा रहल अछि। मुदा सब सँ पैघ जरुरत छैक जे पीड़ित परिवार केँ न्याय लेल संग देबाक वास्ते हम सब ठाढ होइ। स्थानीय प्रशासन पर नैतिक दबाव बनबैत दोषी विरुद्ध भेटल साक्ष्य आ परिस्थिति अनुरूप सम्बन्धित न्यायालय मे कागजात सब जमा करबाबी। ग्रामीण सभक बीच मे जा कय एहेन कूकर्म कएनिहार व्यक्ति प्रति कठोर बनबाक अपील करी। एहि सब कार्य लेल रवि दिन एक दिवसीय धरना राखल जेबाक निर्णय करैत मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक एवम् अभियानी प्रवीण नारायण चौधरी निम्न अपील जारी केलनि अछि।

एक दिन नैन्सी केँ न्याय लेल देल जाउः

हार्दिक अपील

बंधुगण!

अपने सब गोटा केँ पता अछि जे आब विदेहराज जनकक धरती पर ऋषि-मुनि-सज्जन कम आ अपना केँ बड़का जातिक कहेनिहार परिवारक लोक पर्यन्त कुत्सित कार्य – कूकर्म आदि मे बहुत आगाँ आबि गेल अछि, अनपढ-गँवार आ संस्कार सँ छोट कहेनिहार – बननिहारक त बाते कि कएल जाय!

मधुबनी जिलाक एक छोट मुदा बहुत प्रसिद्ध गाम ‘महादेव मठ’ मे एकटा दुर्दान्त घटना घटल अछि। १२ वर्षीय नावालिग बचिया केँ किछु वहशी चरित्रहीन शराबबन्दियो मे गलत कमाइ केर पैसा सँ प्रशासन पर अपन नाजायज कब्जा-जमीन्दारी चलबैत एक गरीब शिक्षक केर बेटी केँ घरक पुरुषवर्गक अनुपस्थिति आ घर मे वियाहक माहौलक नाजायज फायदा उठबैत नहि सिर्फ कूकर्म केलक, बल्कि ओहि बचियाक गला काटि हत्या आ ओकर शरीर पर एसिड जेहेन कोनो पदार्थ ढारिकय पूर्णरूप सँ नहि चिन्हय योग्य लहास बना जाजिम मे बान्हिकय नदी मे फेक एबाक नृशंस – घृणित अपराध केलक अछि।

पुलिस तफ्तीश मे साक्ष्य सब सेहो भेट गेलैक अछि, मुदा मीडिया केर चुप्पी, क्षेत्रक जनप्रतिनिधिक चुप्पी आ समाजक चुप्पी एक बेर फेर एकटा नावालिग जानकीक अपहरण-हत्या कएनिहार रावण केँ प्रश्रय दैत देखा रहल अछि। प्रशासन सेहो केस केँ अपराधीक पक्ष मे लीपापोती करैत देखा रहल अछि। एम्हर फेसबुकवीर सब संयोगवश फेसबुक सँ एहि मुद्दा केँ टाइट केने अछि। मुदा सामान्यतया जे देखल जाएत छैक, फेसबुकवीर केँ फेर एहि सँ बेसी लाइक-कमेन्ट करयवला मुद्दा भेट गेल त पुरना मुद्दा बिसरा गेल से भय बनल छैक। अतः रवि दिन एहि मुद्दा पर महादेव मठ पर धरना देबाक निर्णय कएल अछि। अंधरा मठ थाना सँ निष्पक्ष जाँच करबाक बात आ मधुबनी जिलाक सम्पूर्ण मीडियाक ध्यानाकर्षणक संग समाजक लोक मे अपराधी केँ दण्डित करबाक प्रवृत्ति बनेबाक लेल ई धरना राखल गेल अछि। अपने सब सँ निवेजे दिनक ठीक १० बजे सँ महादेवमठ चौक पर एहि धरना मे सहभागी बनी।

जे एहि मे संग देबाक इच्छूक होइ से कृपया अपन व्हाट्सअप नंबर मैसेज करू।

हरिः हरः!!

पुनश्चः फेसबुकवीर सब सँ निवेदन जे सिर्फ ज्ञान टा नहि दय धरना आयोजन मे संग देबाक चेष्टा करू, नहि त क्लियर लिखल करू जे अहाँ दूर परदेश मे रोजी-रोटी मे बाझल छी – लेकिन नैतिक समर्थन अहुँक अछि। प्लीज, झूठ-मुठ मे ज्ञान देनिहार कुल्दीप नहि बनू!