नेपाल भूकंप: स्वामी रामदेव अनाथ बच्चाक संग असहाय घायल व्यक्तिकेँ संरक्षण प्रदान करता

नेपाल भूकंप उपरान्त राहत कार्य मे जुटला बाबा रामदेव व अन्य भारतीय स्वयंसेवी संस्था, भारत सरकार द्वारा पूर्ण सहयोग

योगगुरु स्वामी रामदेव आइ भारतीय टेलिविजन न्युज चैनल आजतक पर पुन: खुलाशा केलैन जे नेपाल भूकंप मे ओ स्वयं मौतकेँ अपन आँखिक सामने मे देखलाह, अपन जीवन केँ बाँचि जेबाक बातकेँ बोनस भेटय सँ तूलना करैत बाकीक जीवन सेवाभाव मे आरो जोर-शोर सँ समर्पित करबाक वादा केलनि। संगहि स्वामी रामदेव नेपालक भूकंप सँ प्रभावित अनाथ बच्चा लेल आजीवन संरक्षणदाताक भूमिका निर्वाह करबाक प्रस्ताव देलनि। आर, जे व्यक्ति अपन सखा-सन्तान सबकेँ एहि भूकंपक चलते सदा-सदा लेल हेरा देलक तिनका सबकेँ सेहो हुनक संस्था द्वारा आवश्यक सेवा आ संरक्षण देल जायत।

स्वामी रामदेव नेपालक चौदहो अंचल आ ७५ जिला सँ अपन भावनात्मक संबंध केँ स्वीकार करैत आचार्य बालकृष्णक नेपाल संग जुड़ावक कारणे आरो बेसी प्रगाढ संबंध रहबाक भावना व्यक्त केलनि। संगहि अपन ३०००० केर आसपास कार्यकर्ता केँ सेवा दैत पीड़ितक सहयोग मे तत्पर रहबाक आह्वान केलनि। स्वामी रामदेव समस्त सहयोगी दाता सबकेँ नमन करैत धन्यवाद सेहो व्यक्त केलनि आ आरो लोक सबकेँ दानशीलता अपनबैत नेपालक भूकंप पीड़ित सबहक प्रति उदारताक संग सेवादान करबाक अपील केलनि।