Search

स्थानीयता केर सार्थक विकास लेल आनलाइन संचारकर्मक पैघ महत्वः सहरसा टाइम्स केर ६ वर्ष पूरा

सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। अप्रैल ५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

वर्तमान इन्टरनेट युग केर सर्वाधिक लोकप्रिय आनलाइन संचारक क्षेत्र मे सहरसाक गौरव रूप मे स्थापित ‘सहरसा टाइम्स’ वेव पोर्टल केर छठम स्थापना दिवस पर मंगल दिन विवाह भवन शंकर चौक सहरसा मे भव्य कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल। एहि आयोजन मे शहर केर राजनीतिक , सामाजिक व मीडिया कार्यकर्ता सम्मिलित भेलाह । सम्मेलन केर मुख्य विषय छल (वर्तमान समय में मिडिया के रोल स की अहाँ संतुष्ट छी) जाहि में वक्ता सब सकारात्मक व नकारात्मक दुनू पक्ष पर प्रकाश दैत अपन-अपन विचार-उद्गार व्यक्त कयलनि ।

मीडिया के व्यवसायीकरण पर चिंता व्यक्त कयल गेल । नकारात्मक खबरि समाज के लेल घातक परिणाम साबित भेल जा रहल अछि । सोशल मीडिया केर माध्यम स समाजक अंतिम पायदान पर ठाढ़ बेबश व लाचार व्यक्ति के आवाज अधिक स अधिक उजागर होयबाक चाही । विभिन्न वक्ता द्वारा मीडियाक भूमिका सम्बन्ध मे यैह प्रमुख बात सब प्रकाश देल गेल छल ।

एहि मौका पर संचालक मुकेश सिंह व चंदन सिंह, अमर ज्योति, पूर्व विधायक किशोर कुमार मुन्ना, जदयू जिला अध्यक्ष धनिक लाल मुखिया, राजद शिवशंकर विक्रांत, मो मोइनुद्दीन, पूर्व भाजपा अध्यक्ष माधव चौधरी, फ्रेण्ड्स आफ आनंद सोनू तोमर, राजन आनंद, मैथिली फिल्म निर्देशक किसलय कृष्ण, सोमू आनंद, रौशन कुंवर, राहुल कुमार, तेजस्वी ठाकुर, राजीव झा, मोनू झा ,विक्रमादित्य कुमार, रौशन कुमार झा सहित बहुत रास सोशल मीडिया सँ जुड़ल चर्चित चेहरा सब उपस्थित छलाह ।

 

Related Articles