सहरसा जिला स्थापना दिवस पर सब गोटे के हार्दिक शुभकामना

सहरसा जिलाक स्थापना दिवसः १ अप्रैल

– सुभाषचन्द्र झा

सहरसा जिला स्थापना दिवस समारोह सरकार द्वारा धुमधाम स मनाओल जाइत अछि मुदा सहरसा के पहचान दियौनिहार महापुरुष व एतिहासिक स्थल केर विस्मरण कयल जा रहल अछि जे चिंता के विषय अछि । पौराणिक व धार्मिक स्थल के रूप में सहरसा जिला अतिमहत्वपूर्ण स्थान अदौकाल स बनौने अछि । जकर इतिहास अछि प्रमाण अछि, दृष्टांत अछि । कौशिक ऋषि, मंडन मिश्र, परमहंस लक्ष्मीनाथ गोसाई, कारू खिरहरि के कर्मभूमि स्थल उपेक्षित कियैक । धार्मिक स्थल में मॉ उग्रतारा, बाबा नकूचेश्वर नाथ, बाबा मटेश्वर नाथ, बाबा वाणेश्वर नाथ, बाबा देवनवन, बाबा नीलकंठ, कन्दाहा सूर्य मंदिर, भगवती स्थान वनगॉव, चंडिका स्थान सहित कतेको पौराणिक मंदिर अछि । विस्तृत भू संपदा हरित भूमि एंव सरल व सुलभ स्वभाव केर कारण स ऋषि, मूनि, सिद्ध, योगी सब केयो एहि भूमि के देखबा लेल सहर्ष तैयार रहैत छथि लालायित रहैत छथि ताहि स एहि जिलाक नामक सार्थक बूझना जाइत अछि । जय मिथिला जय मैथिली!!