Search

चैती छठि वाद जनकपुरधामक गंगासागर सफाइ काएल गेल

207 भ्यूज

मनीष कर्ण,जनकपुरधाम।४अप्रिल २०१७.मैथिली जिन्दावाद!!

मिथिलाञ्चलक चैती छठि महापर्व सम्पन्न भेलाक वाद जनकपुरक गंगासागरके सरसफाइ काएल गेल अछि। गंगासागर सरसफाइ अभियान आ सेभ द हिस्टोरिकल जनकपुरक अभियन्ता एंव पत्रकार रामआशिष यादव केर नेतृत्वक टोली द्वारा सोम दिन पवित्र गंगासागरके सरसफाइ कएल गेल।

पवित्र गंगासागर सँ जनकपुरक गरिमा तथा पहिचानमें अभिवृद्धि भेल कारणे कोनो उत्सव आ पर्व समापन भेला वाद सरसफाइ नियमित रुपमें करैत आएल अछि। एहिं सऽपहिने सोम दिन व्रतीसभ उगैत सुर्यके अर्घ दति चैती छठि पर्व विधिवत सम्पन्न केने छलीह।

Related Articles