आर. पी. शर्मा, हाथरस, उत्तरप्रदेश। मार्च २२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
ब्रजस्थ मैथिल ब्राह्मण सभा द्वारा उत्तर प्रदेशक हाथरस मे होली मिलन उत्सव कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल अछि जाहि मे मूल मिथिलावासीक सङ्गोर सहित वर्षों पहिने प्रवासी बनि गेल ब्रजस्थ मैथिल सब विभिन्न स्थान सँ भाग लेबाक समाचार अछि।
हाथरस मे समपन्न भेल होली मिलन कार्यक्रम केर किछ झलक केर फोटो सब एहि ठाम राखल जा रहल अछि। दिनांक १९ मार्च संपन्न एहि कार्यक्रम मे मैथिल ब्राह्मण विचार गोष्ठी फरीदाबाद केर सदस्य द्वारा आर्थिक रूप सँ पिछड़ल ६ सँ १२ कक्षा धरिक विद्यार्थी सभक लेल पठन एवं लेखन सामग्री जेना कॉपी, बैग, ज्योमेट्री बॉक्स इत्यादि वितरित कएल गेल। संगहि ओतुका सिलेबस घोषणा भेला उपरान्त पुस्तक सेहो वितरित कएल जेबाक घोषणा भेल। उपस्थित विभिन्न क्षेत्र सँ पहुँचल अतिथि द्वारा एहि शुरुआत केँ एकमत सँ प्रशंसा एवं सराहना कएल गेल और कहल गेल जे ई एक अद्भुत शुरुआत थिक । विचार गोष्ठी फरीदाबाद द्वारा एहेन कार्य भविष्य मे सेहो होएत रहबाक जनतब समाजक अध्यक्ष करौलनि।
के छथि मिथिलावासी @ ब्रजवासी
आइ सँ सैकड़ों वर्ष पहिने अपन बुद्धिमत्ता आ सत्यनिष्ठाक संग जनसेवा प्रदान करबाक लक्षण सँ युक्त हजारों मैथिल ब्राह्मण परिवार ब्रज निवासी बनि गेलाह। कहल जाएछ जे ताहि समयक मुगल शासक द्वारा हिनका सब केँ नीक ग्रास, बास आ कपासक इन्तजाम होयबाक कारणे ओतय सँ फेर घुरिकय मिथिला नहि एलाह। कालान्तर मे भाषा केर विस्मृति होयबाक कारण संस्कृति मे सेहो आगामी पीढी सब अलग-अलग दिशा मे भटकाव पेलक। एवम् प्रकारेन अपन मूल सँ कटि गेलाक असह्य पीड़ा बहुत बाद मे फेर सँ अनुभूति कएल गेल बुद्धिजिवी समाज द्वारा। वर्तमान समय पुनः अपन मूल केर खोज मे हिनका लोकनि द्वारा वार्षिक स्तर पर किछु न किछु आयोजन होएत रहैत अछि जाहि मे मूल मिथिला सँ बहुतो पुरोधा गणमान्य लोकनि अपन सहभागिता जनबैत आबि रहला अछि। जेना कि फोटो सँ स्पष्ट होएत अछि, एहि बेर एतय मैथिल मंच केर संस्था मणिभूषण राजू पहुँचल छलाह। मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी केँ सेहो आमंत्रित कएल गेल छलन्हि, परञ्च व्यस्तताक कारण ओ एहि कार्यक्रम मे सहभागिता नहि दय पेलाह। आगामी समय मे आरो वृहत् स्तरक आयोजन मे सहभागिताक वचनबद्धता प्रकट कएने छथि। अपन भाषा आ भेष केँ बिसरबाक पीड़ा कियो ब्रजस्थ मैथिल सँ बुझि सकैत अछि।

8 Comments
कृपया हिन्दी में प्रसारित करें, ताकि सभी मैथिली भाषा ज्ञान नही है।
मैथिली जिन्दाबाद पर मैथिली भाषा को प्राथमिकता दी जाती है। जहाँ समझने में दिक्कत हो, आप अपनी जिज्ञासा जरूर रखें। हरिः हरः!!
Praveen ji yah karykram Brajsth maithil Brahmin sabha hathras ke Dwara aayojit tha na ki vichar gosthi faridabaad dwara ise kripya kar ke sahi karain.
मेरे पास मैथिली जिन्दाबाद व्हाट्सअप ग्रुप के मार्फत जो संवाद आया उससे तो ऐसा ही ज्ञात हुआ, आपका कमेन्ट से सही जानकारी लोगों तक पहुँचेगी यही कामना है। यदि संपादन की आवश्यकता है तो जरुर कर देंगे। हरिः हरः!!
Aap se karbadha nivedan kripya ese sampadit avshya karain.
Kripa aap muje maithil jindabad ka whatsapp group mein add karein. …mera whatsapp nmb 9709818585….
इसका व्हाट्सअप ग्रुप बहुत ज्यादा एक्टिव नहीं रह पाता है। आप मुझे [email protected] पर या मेरे नम्बर +977-9801722981 पर सम्पर्क बनायें। या फिर फेसबुक पर Pravin Narayan Choudhary के साथ जुड़े।
Bahut Bahut AAbhar praveen Ji. Is smpadan hetu.