मैथिली ठाकुर लेल सपोर्ट बनेने रहू
– अभ्यंकर झा, दरभंगा। मार्च २०, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
कलर्स चैनल पर प्रसारित भऽ रहल सिंगिंग रियलिटी शो ‘राईजिंग स्टार’ में मिथिलाक बेटी मैथिली ठाकुर द्वारा फेर सँ दोसर राउंड मे मिथिलाक प्रतिभाक झलक देखबैत जोरदार एन्ट्री करैत टॉप-14 मे जगह बना लेल गेल अछि. राइजिंग स्टार केर प्रतिभागी मैथिली ठाकुर केर काल्हि शनि दिनक शो चलैत समय तेसर परफॉरमेंस छल. जाहिमे मैथिली 92% वोटिंग केर संग राइजिंग स्टार टॉप-14 मे जगह बना लेली अछि. जखनकि अहाँकेँ बता दी जे मैथिली ठाकुर केँ राइजिंग स्टार केर पहिल राउंडक परफॉरमेंस मे 94% वोट भेटल छलन्हि.
एहि सिंगिंग रियलिटी शो केर जज मुख्य रूप सँ ऑडियन्स अछि, जाहिमे लाइव शो केर समय कलर्स टीवी केर एंड्राइड एप्प सँ ऑनलाइन वोटिंग केँ मुख्य आधार मानिकय हारि-जीतक फैसला होएत छैक. एखन मैथिली दोसर राउंड केर बाद तेसर राउंड मे बम्पर 92% वोटिंग केर संग टॉप-14 मे गेली अछि. हर राउंड में लाइव शो केर दौरान दर्शक द्वारा कलर्स चैनल केर एंड्राइड एप्प सँ ऑनलाइन वोटिंग केर आधार पर मैथिली ठाकुर केँ ‘राइजिंग स्टार’ केर स्टेप बाय स्टेप ऐगला आर फाइनल धरि जेबाक मौका भेटतनि, ई उम्मीद लागि रहल अछि.
मूल रूप सँ मिथिलाक मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी (उड़ेन) केर रहनिहारि मैथिली ठाकुर केर प्रारंभिक संगीतक शिक्षा-दीक्षा अपन दादा श्री बच्चा ठाकुर व पिता रमेश ठाकुर सँ भेटलनि अछि. ग्रामीण परिवेश में पलल-बढ़ल मैथिली वर्तमान मे द्वारका, दिल्ली मे परिवारक संग रहैत बाल भवन इंटरनेशनल स्कुल, द्वारका सँ पढ़ाइ कय रहली अछि.
मैथिली ठाकुर एखन धरि संगीत केर क्षेत्र मे कतेको रास विशिष्ट पुरस्कार प्राप्त कय चुकल छथि. ओ राष्ट्रीय स्तर केर सिंगिंग शो इंडियन आइडल जूनियर-2015, सारेगामापा सहित कइएको सिंगिंग रियालटी शो मे अपन प्रतिभाक जौहर देखा चुकल छथि. मैथिली ठाकुर टॉप 14 मे सेलेक्ट भऽ गेल छथि, आब जरुरत छैक ओ टॉप 1 मे पहुंचैथ। एक बेर फेर अहाँ सभक आशीर्वाद केर जरुरत अछि राइजिंग स्टार में मैथिली केँ बेसी सँ बेसी सपोर्ट करबाक।