विराटनगर, मार्च १२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
काल्हि शनि दिन मार्च ११ तारीख विराटनगर मे कायस्थ समाज मोरंग द्वारा होली शुभकामना आदान-प्रदान कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल जाहि मे गणतंत्र नेपालक पहिल उप-राष्ट्रपति परमानन्द झा केर विशिष्ट उपस्थिति रहल। संगहि पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयक कुलपति डा. घनश्याम दास सहित स्थानीय समाजसेवी तथा वरिष्ठ चिकित्सक डा. नारायण कुमार, राजनीतिकर्मी राम लाल साह ओ भक्तिनाथ माझी, दहेज मुक्त मिथिला केर अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी सहित हालहि नवगठित पत्रकार संघक पदाधिकारी लोकनिक सहभागिता मे ई कार्यक्रम मे होलीक महत्वपर संछिप्त चर्चाक संग समाजक हर वर्ग आ समुदाय केँ जोड़बाक पवित्र उद्देश्यक संग शुभकामना आदान प्रदान अबीर लगबैत तथा फगुआ विशेष पूआ आ अन्य मैथिल भोजन परिकारक स्वाद संग आयोजन संपन्न कएल गेल। एहि अवसरपर होलीक विशेष गीतनादक सेहो इन्तजाम कएल गेल छल।
कार्यक्रमक अध्यक्षता कायस्थ समाज मोरंग केर अध्यक्ष अमलेश कर्ण द्वारा कएल गेल। तहिना स्वागत अभिभाषण उपाध्यक्ष दीपक कर्ण तथा मंच संचालन संस्थाक महासचिव पंकज वर्मा द्वारा कएल गेल। आयोजक द्वारा नवगठित पत्रकार संघ पदाधिकारी लोकनि केँ शुभक-प्रतीक गुलेबंद आ अबीर लगाकय सम्मान सेहो कएल गेल छल। वक्ताक रूप मे प्रवीण नारायण चौधरी, कुमोद अधिकारी, डा. घनश्याम दास, पूर्व उपराष्ट्रपति परमानन्द झा तथा अध्यक्षीय भाषण अमलेश कर्ण द्वारा होलीक आध्यात्मिक-सामाजिक ओ व्यवहारिक महत्वपर प्रकाश देल गेल छल। वक्ता लोकनि देश मे अशान्ति आ तनाव रहबाक कारणे होली मनेबाक अवस्था नहियो रहलापर कायस्थ समाज मोरंग द्वारा आयोजित शुभकामना आदान-प्रदान कार्यक्रम सँ सकारात्मक सन्देश आम जनमानस धरि पहुँचय ई कामना कएलनि। उपराष्ट्रपति झा होलीक महत्व मित्र आ शत्रु दुनू केँ मिलेबाक होयबाक कारण आगू बढबाक लेल बहुत महत्वपूर्ण रहल कहैत कायस्थ समाजक आयोजन मे सहभागी बनि प्रसन्नताक अनुभूतिक बात कहलैन।
शुभकामना आदान-प्रदान उपरान्त होली विशेष स्वादिष्ट जलपान आ सब कियो एक-दोसर केँ अबीर लगबैत गला मिलि होलीक पवित्र सन्देश संग लैत कार्यक्रम सँ विदाई लेलनि। कार्यक्रम मे महिला, पुरुष आ धिया-पुताक सेहो नीक सहभागिता छल। एकटा बहुत खास आर सराहनीय पहल अन्तर्गत एहि कार्यक्रम मे विभिन्न अन्य जातीय संगठनक प्रमुख व्यक्तित्व सब केँ सेहो सहभागिता करबैत समाजक सब वर्ग केँ जोड़िकय प्रगतिक पथपर अग्रसर रहबाक सन्देश सेहो देल गेल। संस्थाक प्रमुख अधिकारी लोकनि सेहो अपन उद्बोधन मे एहि तथ्यक उद्घोषणा बेर-बेर करैत अभरला।