दहेज मुक्त मिथिलाक छठम् वार्षिकोत्सव पर विराटनगर मे विचार गोष्ठीक संग कवि सम्मेलन

दहेज मुक्त मिथिलाक छठम् वार्षिकोत्सव पर विराटनगर मे विचार गोष्ठी आ कवि गोष्ठी

दीपेन्द्र यादव मैथिल, विराटनगर। फरबरी ५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

नेपाल तथा भारतक मिथिला समाज केँ दहेज प्रथा सँ मुक्त करबाक लेल कार्यरत अभियानरूपी संस्था ‘दहेज मुक्त मिथिला’ केर छठम् वार्षिकोत्सव विराटनगरक स्थानीय होटल इनियान मे ३ मार्च २०१७ शुक्र दिन संपन्न भेल। दुइ सत्र मे आयोजित एहि वार्षिकोत्सवक अध्यक्षता मैथिली सेवा समितिक अध्यक्ष डा. एस. एन. झा कएलनि जखन कि संचालन दहेज मुक्त मिथिलाक अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी तथा मैथिली भाषाक युवा कवि विद्यानन्द बेदर्दी द्वारा कएल गेल। एहि कार्यक्रम मे आमंत्रित प्रमुख अतिथि मैथिली भाषा-साहित्यक पुरोधा अयोध्यानाथ चौधरीक संग स्थानीय विभिन्न संघ-संस्थाक पदाधिकारी, समाजसेवी एवम् अभियानीक संग महाविद्यालयक छात्र समाजक उपस्थिति महत्वपूर्ण छल। कार्यक्रमक उद्देश्य एवम् विषय पर प्रकाश दैत प्रवीण नारायण चौधरी कहलनि जे आइ छः वर्ष मे दहेज मुक्त मिथिलाक नाराक सकारात्मक प्रभाव समाजक हर वर्ग आ धर्मक लोकपर देखल गेल अछि, एकरा सब कियो हर्षक संग स्वीकार करैत स्वेच्छाचारिताक धर्मक संग विवाह जेहेन पवित्र आत्मीय सम्बन्ध लोक कायम कय रहला अछि जाहि सँ आगामी पीढी आरो बेसी सुशिक्षित, सुसंस्कृत आ स्वच्छ होयब तय अछि। ओ कहलैन जे दहेज मुक्त मिथिला संस्था कम आ अभियान अधिक थिक जाहि मे बिना पद केर लोभ आ लालच संग देश-विदेश सब तैर लोक अपन-अपन समाज केँ एहि कोढ जेकाँ खतरनाक रोग सँ मुक्ति लेल एकजुट भ रहला अछि। ३ मार्च २०११ केँ स्थापित ई संस्था सोशल मीडिया सँ धरातल धरि बेसी सँ बेसी युवा पीढीक लोक केँ जनजागरण करबाक कार्य करैत अछि, मांगरूपी दहेजक प्रतिकार कय स्वेच्छाचारिताक धर्म निर्वाह हेतु समाज केँ संदेश देबाक कार्य करैत अछि – चौधरी स्पष्ट कएलनि।

सभाध्यक्ष डा. एस. एन. झा संस्थाक उद्देश्यक पवित्रताक मुताबिक समाजक हर वर्गक लोक सँ सहयोगक जरुरत पर जोर दैत मैथिली सेवा समिति हर संभव सहयोग लेल सतति तैयार रहबाक वचन देलनि। आशुकवि दयानन्द दिक्पाल यदुवंशी एहि अभियानक समर्थन मे अपन कविता वाचन कय समाज लेल उत्कृष्ट कार्य हेतु प्रशंसा कएलनि। मैथिली सेवा समितिक सल्लाहकार भगवान् झा कहलैन जे दहेज सामाजिक अपराध थिक आर एकरा वास्ते समाज केँ दंड देबाक विधान बनबय पड़त। मैथिली सेवा समितिक महासचिव बिपुलेन्द्र झा सेहो अपन निजी आ संस्थागत सहयोगक वचनबद्धताक संग एकरा जनजागरणक स्तर धरि पहुँचेबाक जरुरत पर जोर देलनि। ओ कहलैन जे कानूनक प्रावधान रहितो समाज दिन-ब-दिन दहेज आर एकर दुष्परिणाम यथा कन्या भ्रूण हत्या सँ ग्रसित भेल अछि जेकरा वास्ते एहि अभियान केँ गाम-गाम धरि पहुँचायब जरुरी अछि। सभा मे उपस्थित मीना यादव – समाजसेवी कानि-कानिकय अपन व्यथा सुनबैत कहली जे ई प्रथाक शिकार ओ केहेन भेली जे अपने औंठा छाप (अनपढ) रहितो बेटी केँ एमए धरि पढौनी करौली, मुदा विवाहक समय पुनः जमीन बेचियेकय विवाह करय पड़लनि। एकरा दूर भगेबाक लेल ओ उग्र जुलूस निकालि लोक केँ चेतावनी दैत एकर विरोध करबाक आह्वान कएलनि। समाजसेविका वसुन्धरा झा सेहो भाषण सँ व्यवहार मे समस्याक निदान दिश डेग बढेबाक बात कहैत किछु उदाहरण रखलैन आर सब केँ एकजुट बनिकय समस्याक समाधान लेल ललकारलैन। तहिना संचारकर्मी जितेन्द्र ठाकुर यथार्थ स्थिति आ अभियानक संचालन पर कठोर टिप्पणी करैत समाजक हर व्यक्ति केँ दहेज प्रथाक मामिला मे द्वैत चरित्र अपनेबाक आरोप लगबैत निश्छल बनिकय – कठोर बनिकय एहि कूरीति सँ मुक्ति भेटबाक संभावना पर प्रकाश देलनि।

एहि वार्षिकोत्सवक प्रथम सत्र विचार गोष्ठी मे संचारकर्मी नविन कर्ण, नविन झा, अरविन्द मेहता, प्रीति मिश्रा, डा. सुरेन्द्र नारायण मिश्रा, विद्या मिश्रा, प्रकाश नारायण झा, ईश्वर पोखरेल सहित दर्जनों अन्य वक्ता लोकनि दहेज उन्मूलन हेतु समाज मे चेतना जगेबाक आवश्यकता पर जोर देलनि।

दहेज प्रथाक अन्त करबाक लेल अभियान चलबैत आयल दहेज मुक्त मिथिला केर छठम वार्षिकोत्सवक अवसर मे उपरोक्त आयोजन कएल गेल कार्यक्रममे वक्ता लोकनि दहेज केँ समाजक विकृति कहि एकर विरुद्ध सचेतना प्रसार करबाक संग-संग बेटी सब केँ सेहो बेटा जेकाँ उच्च सँ उच्च शिक्षा दय स्वाबलंबी बनेबाक बात पर जोर देलनि। दहेजक कारण मैथिल समाजमे भ्रूण हत्या बढला सँ स्त्री तथा पुरुषक अनुपात सेहो बिगड़ि गेल आर अवस्था एहने रहलापर विवाह लेल समुचित जोड़ी ताकब सेहो चुनौतीपूर्ण होयबाक अवस्था एबापर समाज केँ चिन्तन करब जरुरी अछि सब कहलैन। भ्रूण हत्या रोकबाक लेल कानुन केँ आरो कड़ा आ पूरजोर तरीका सँ लागू करबाक मांग करैत दहेज मुक्त मिथिलाक अन्तर्राष्ट्रिय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी कहलैन जे ओना त ई संस्था मात्र आ मात्र माँगरूपी दहेजक विरुद्ध मे अभियान चलबैत अछि, मुदा एकर कार्यशैली मे मैथिली भाषा-साहित्यक संग मिथिलाक संस्कृति ओ अमूल्य धरोहर सभक संरक्षण करब सेहो अछि। एहि अभियान अन्तर्गत हजारौं युवा सचेत भेल आ दहेज केर बहिष्कार करैत आदर्श विवाह करबाक दाबी सेहो ओ कएलनि। मीडिया मार्फत एहि अभियानक नाराकेँ बुलंदी देबाक मांग करैत गाम-गाम मे निगरानी समिति लेल स्वस्फूर्त जनजागरण लेल सहयोगक अपील सेहो कएल गेल। कार्यक्रमक अन्य वक्तासब दहेज न्यूनीकरण करबाक लेल गाम-गाम मे दहेज विरोधी समिति गठन करब आ दहेज लेनिहार केँ सामाजिक बहिष्कार करब ई प्रण कएलनि।

कार्यक्रमक दोसर सत्र मे कवि गोष्ठीक आयोजन भेल जेकर संचालन युवा कवि विद्यानन्द बेदर्दी अपन विशिष्ट शैली मे प्रभावकारी दहेज विरुद्ध संदेश केर संग कएलनि। एहि कवि गोष्ठी मे मिथिला स्टुडेन्ट यूनियन नेपाल द्वारा हालहि आयोजित महाविद्यालयस्तरीय कविता प्रतियोगिताक प्रतियोगी एवम् विजेता लोकनिक सहभागिता विशिष्ट छल। प्रतियोगिता मे प्रथम भेल ज्योति यादव सहित अन्य विजेता आ प्रतियोगी युवा-युवती लोकनिक संग वसुन्धरा झा, विद्या मिश्र, अजित झा, सागर देव, हितेश यादव, सुरेश यादव, दीपेन्द्र यादव, प्रवीण नारायण चौधरी आ प्रमुख अतिथि अयोध्यानाथ चौधरी मैथिल दहेज प्रथा विरुद्ध अपन-अपन मैथिली कविताक वाचन कएने छलाह। तहिना मैथिली-मिथिलाक विभिन्न गतिविधिक दिग्गज स्तम्भ डा. सुरेन्द्र नारायण मिश्र केर प्रसिद्ध हास्य एवं संबोधनक संग भगवान् झा आ प्रकाश नारायण झा द्वारा किछु होली विशेष हास्य प्रहसन सब सेहो प्रस्तुत कएल गेल। अन्त मे दरभंगा सँ आयल मिथिला राज्य निर्माण सेनाक महासचिव राजेश झा सहित सब कियो सामूहिक फोटो सेशन भेलाक बाद सभा विद्या मिश्राक होली, महादेवी आर समदाउनक गान संग समापन कएल गेल।

जनतब हो जे ई समस्त कार्यक्रम केर फेसबुक लाइव एवम् स्काइ एफएम १०६.६ मेगाहर्ज द्वारा सेहो प्रसारण कएल गेल।