आलेखः पछिला 70 सालक क्षेत्रीय उपेक्षाक माँग – मिथिलाराज्य
– रोहित यादव, दिल्ली
आइ एकटा एहन सच्चाई अहाँ सभक सोझाँ राखि रहल छी जाहि सँ अहाँक भीतर केर बिहार प्रेम हँटि जायत। पछिला 70 साल सँ राज्य ओ केंद्र सरकार कुन कुन तरहक अदृश्य षड्यंत्र मिथिलाक प्रति कऽ रहल अछि से देखु।
अहि ठाम अदृश्य षड्यंत्र कहबाक तात्पर्य एकटा एहन षड्यंत्र सँ अछि जे षड्यंत्र होइतो षड्यंत्र नै लगैछ आम-जन मानस केँ।
बड़ा चालाकी सँ राज्य सरकार केंद्र आ राज्य सँ भेटल फण्ड केर उपयोग मगध के विकास पर खर्च कय रहल अछि जाहि के भान आम मैथिल केँ नै लागि रहल अछि। बिहार के 38 जिलाक हिसाब सँ जे फण्ड भेटैछ ओहि मे मिथिला संग कोना क्षेत्रीय उपेक्षा आ धोखा भ रहल अछि ताहि सँ अहाँ सभ केँ ई लेख अवगत कराओत –
राज्य सरकार केर समग्र जिला सँ जे राजस्व भेटैछ ओहि मे मिथिला मगध सँ काफी आगाँ अछि। स्टाम्प शुल्क ओ निबंधन शुल्क सँ जे राजस्व बिहार सरकार केँ भेटैछ ओहि मे मिथिला मगध सँ बेसी पाइ बिहार सरकार केँ दैछ।
2014-15 केर सर्बे के अनुसार, स्टाम्प ओ निबंधन शुल्क सँ कुल प्राप्त राजस्व 1423 करोड़ रुपया अछि जाहि मे सँ मिथिला सँ – 755.5 करोड़ आ मगध सँ 667.5 करोड़ केर राजस्व कर बिहार सरकार केँ भेटल अछि।
मिथिला सब दिन सँ बिहार सरकार केँ मगध सँ बेसी राजस्व कर दैत रहल अछि, धरि बिहार सरकार मिथिला सँग सब दिन धोखा केलक, मिथिलाक उपेक्षा हर क्षेत्र मे केलक। कृषि, स्वास्थ्य, शिक्षा, सड़क सब मे सँ मिथिलाक हिस्सा काटि, मगध केँ दैत रहल अछि।
1. सड़क निर्माण – सब सँ पहिले बात करै छी सड़क निर्माण के। किएक तऽ इ एकटा एहन मुद्दा अछि जाहि के नाम पर बिहार सरकार पछिला एक दशक मे जनता सँ खूब वाह-वाही लुटलक अछि। ओना त हर वर्ष मिथिला सँग छल आ धोखा भेल अछि मुदा उदाहरण हेतु वर्ष 2014 मे बिहार मे भेल सड़क निर्माण केर आंकड़ा अहाँ सभ संग साझा कS रहल छी –
वर्ष 2014 मे संपूर्ण बिहार मे 4321 किलोमीटर NH, 4390 किलोमीटर SH ओ 10128 किलोमीटर मुख्य जिला पथ केर निर्माण भेल। जाहि केर जिलावार अनुपात 114 किलोमीटर, 116 किलोमीटर ओ 267 किलोमीटर लगभग होयबाक चाहि। मुदा बिहार सरकार केर चालाकी ओ छल देखु – मगध केर (14) जिला मे जिलावार अनुपात सँ बेसी के सड़क निर्माण कएल गेल । 114 केर जगह लगभग 133 किलोमीटर NH, 116 के जगह लगभग 147 किलोमीटर SH आ 267 केर जगह लगभग 305 किलोमीटर मुख्य जिला पथ प्रति जिलाक हिसाब सँ कुल 1850 किलोमीटर NH, 2061.5 किलोमीटर SH आ 4271.6 किलोमीटर मुख्य जिला पथ के निर्माण भेल।
जखन मिथिलाक पार आयल, राज्य सरकार अप्पण मुठ्ठी टाइट कS लेलक। जाहिठाम 114 किलोमीटर NH भेटबाक चाहि मिथिला (24 जिला) केँ मात्र 102 किलोमीटर भेटल, 116 किलोमीटर SH के बदला मात्र 97 किलोमीटर आ 267 किलोमीटर के जगह 244 किलोमीटर मुख्य जिला पथ प्रति जिला भेटल। मिथिला के 2471 KM NH, 2328KM SH आ 5856KM जिला मुख्य पथ भेटल। जे की वास्तविक हिस्सा सँ बहुत कम अछि।
2. शिक्षण संस्थान – बिहार केर 38 जिला मे कुल मिला कS 68705 प्राथमिक ओ मध्य विद्यालय अछि। अगर जिलावार अनुपात देखल जाए त एक जिला मे 1808 प्राथमिक ओ मध्य विद्यालय हेबाक चाहि। राज्य सरकार जिलावार अनुपात मे 1808 विद्यालय केर चर्चा सेहो केने अछि। मुदा अहाँ सभ केँ जानि कय आश्चर्य होयत जे अहि 68705 मे सँ मगध केर 14 जिलाक लेल 28419 विद्यालय अछि, जाहि केर जिलावार अनुपात 2030 विद्यालय प्रति जिला अछि जखन की , मिथिलाक 24 जिला मे मात्र 40286 विद्यालय अछि। जाहि के जिलावार अनुपात 1679 विद्यालय प्रति जिला अछि जे कि राज्य केर कुल जिलावार अनुपात सँ 129 विद्यालय प्रति जिला कम अछि। (2011-12 सर्वे रिपोर्ट)
तहिना बिहार के 38 जिला मे कुल 665 टा कालेज अछि जाहि के जिलावार अनुपात 18 कालेज प्रति जिला होयत अछि। राज्य सरकार केर चालाकी ओ छल देखु, मगध केर 14 जिला मे 325 कॉलेज जाहि केर जिलावार अनुपात 23 कॉलेज प्रति जिला अछि, जे की राज्य जिलावार अनुपात सँ 5 कालेज प्रति जिला बेसी अछि। मुदा जखन मिथिलाक बेर आयल, एकबेर फेर सँ मिथिलाक सँग धोखा भेल। मिथिलाक 24 जिला मे मात्र 340 कॉलेज जाहि केर जिलावार अनुपात 14 कॉलेज प्रति जिला अछि जे की राज्य केर जिलावार अनुपात सँ 4 कॉलेज प्रति जिला कम अछि। ई सबटा षड्यंत्र बड़ा सोचि समझि आ चालाकी सँ कएल गेल अछि।
3. स्वास्थ्य संस्थान – बिहार केर 38 जिला मे जिला अस्पताल, प्राथमिक उपचार केंद्र आ विभिन्न स्वाथ्य संस्थान मिला कय कुल छोट पैघ 11773 संस्थान अछि जाहि केर जिलावार अनुपात 310 स्वास्थ्य संस्थान प्रति जिला होएत अछि। जाहि मे सँ मगध केर 14 जिला मे 4565 स्वाथ्य संस्थान अछि जेकर जिलावार अनुपात 326 स्वाथ्य केंद्र प्रति जिला अछि जे की राज्य जिलावार अनुपात सँ 16 स्वास्थ्य संस्थान प्रति जिला बेसी अछि।
मुदा जखन मिथिलाक आंकड़ा केर बात करि त मिथिलाक 24 जिला मे मात्र 7208 स्वास्थ्य संस्थान अछि जाहि के जिलावार अनुपात (300/जिला) राज्य केर जिलावार अनुपात (310/जिला) सँ 10 कम अछि।
तहिना, राज्य भरिक कुल 38 जिला मे 3884 डॉक्टर अछि। कुल डॉक्टर केर राज्य जिलावार अनुपात 102 डॉक्टर प्रति जिला होएछ। 3884 डॉक्टर मे सँ मगध केर 14 जिला मे 1636 डॉक्टर अछि जाहि केर जिलावार अनुपात (117 डॉक्टर/जिला) राज्य जिलावार अनुपात (102 डॉक्टर/जिला) सँ 15 बेसी अछि।
मुदा मिथिलाक 24 जिला मे मात्र 2248 डॉक्टर अछि जाहि केर जिलावार अनुपात (94 डॉक्टर/जिला) राज्य जिलावार अनुपात (102 डॉक्टर/जिला) सँ 8 डॉक्टर प्रति जिला कम अछि।
ई सबटा अदृश्य षड्यंत्र अछि मिथिलाक प्रति जे समुच्चा मिथिला केँ शनैः शनैः हर क्षेत्र मे लुल्ह नांगर बना रहल अछि। इ सब षड्यंत्र सत्तारूढ़ बड़ा चालाकी ओ दक्षता सँ कय रहल अछि जे आम जन मानस केँ देखाई नै दय रहल अछि। जँ आबो नै जागब आ अपना मातृभूमि केर प्रति सचेष्ट नै होयब तखन मिथलाक आबैय वला भविष्यक केवल भगवान् टा मालिक हेता।
आशा करैत छी जे ई आंकड़ा बहुतो केँ आँखि पर बान्हल पट्टी खोइल देत आ लोक केंद्र ओ राज्य सरकार केर मिथिलाक प्रति क्षेत्रीय उदासीनता ओ उपेक्षा सँ अवगत हेता।
(लेखक स्वयं एक मिथिलावादी राजनीतिक दलक युवा नेतृत्वकर्मी छथि।)