सुच्चा मैथिल द्वारा मुम्बई मे हंगामाः मुरलिधर नाइट केर आयोजन

राम नरेश शर्मा, सुच्चा मैथिल, मुम्बई। सितम्बर १७, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

suchcha-maithil-vishwakarma-poojaसुच्चा मैथिल संस्था द्वारा फ्री हेल्थ चेक-अप एवं किडनी ट्रांसप्लांटेशन लेल आर्थिक मदद केर अपील

सुच्चा मैथिल संस्था द्वारा आयोजित विश्वकर्मा पूजनोत्सव केर उपलक्ष्य मे नालासोपारा केर संतोषभुवन केर स्वामी विवेकानन्द स्कूल मे भोर 9-12 बजे धरि भगवान विश्वकर्माक विधि-विधान सँ पूजन और दुपहर 2-4 बजे धरि फ्री हेल्थ चेक-अप कैंप केर आयोजन कैल गेल अछि।

सन्ध्या 6 बजे सँ “मुरलीधर नाईट” सांस्कृतिक कार्यक्रम राखल गेल अछि जे किडनीक बीमारी सँ पीड़ित ललन चौधरी लेल समर्पित अछि । एहि कार्यक्रम केर माध्यम सँ मैथिली-मिथिला अभियानी व समाजसेवी युवा ललन चौधरी केँ किडनी प्रत्यारोपण लेल धन जुटेबाक एक छोट प्रयास कैल जायत।

विदित हो जे मुरलीधर मिथिलाक्षेत्रक एक महान कलाकार – गायक – अभिनेता आ निर्देशक होयबाक संग-संग मैथिल जनमानसक एकजुटता लेल प्रसिद्ध नारा दैत आबि रहला अछि “पहिने घर केँ जोड़ू तखनहि नारियल फोड़ू”, हुनक प्रस्तुति सँ उपरोक्त अभियान केँ एकटा नव आवाज भेटत। संगहि “सुच्चा मैथिल” यानि निम्नवर्गक मैथिल जनमानसक एक संस्थाक उद्देश्य जे अपन मातृभूमि व मातृभाषाक सेवा मे सबहक सहभागिता हो, सेहो सुनिश्चित होयत।