मिथिलाँचल महासभा कानपुर द्वारा घोषणा कैल गेल अछि जे आगामी शैक्षिक वर्ष २०१५-१६ लेल मैथिल समाजक ५ बच्चा केँ मुफ्त शिक्षा उपलब्ध कराओल जायत। महासभाक प्रवक्ता अनिला मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी दैत कहलनि जे साल भरि निरंतर किछु न किछु सार्थक डेग बढबैत अपन भाषाभाषी आ समाजक लोककेँ मिथिलाक अकाट्य पहिचान संग जोड़ि रखबाक निमित्त पूर्ण प्रतिबद्ध मिथिलाँचल महासभा द्वारा ई नव डेग अबयवला शैक्षिक वर्ष सहित हरेक वर्ष लेल कैल गेल। एहि वर्ष अपन सामाजिक जिम्मेबारी केँ निभाबैत मैथिल समाज केर ५ पांच टा बच्चा केँ मुफ्त शिक्षाक घोषणा केलक – बच्चा केँ पुरस्कार दैत संस्थाक संस्थापक श्री रविनाथ मिश्रा जी, अध्यक्ष श्री अमित झा जी, महासचिव श्री मुन्ना जी, संयोजक आ प्रवक्ता श्री अनिल झा जी, उपाध्यक्ष श्री राजकुमार मिश्रा जी, श्री देवेन्द्र झा जी आ कोषाध्यक्ष श्री अमर कान्त चौधरी जी सहितक फोटो प्रेषित कय रहल छी। जाहि बच्चा सबकेँ मुफ्त शिक्षा देल जायत तिनका लोकनिक नाम एहि तरहें अछि:
१. कनक झा पुत्री स्व० बृजमोहन झा – रानीघाट कानपुर-कक्षा -०६ , स्कूल -मदर इंडिया पब्लिक स्कूल | –
२. अंकिता झा पुत्री सुनील झा – रानीघाट कानपुर – कक्षा – ०९ – स्कूल – नगर निगम महिला इंटर कॉलेज तिलक नगर
३. ऋषभ झा – पुत्र – श्री नन्द किशोर झा -शाश्त्री नगर कानपुर – कक्षा – ७ – स्कूल – लाल बहादुर शास्त्री विद्यालय शास्त्री नगर कानपुर
४. शरद रॉय पुत्र स्व० संजीव रॉय – योगेन्द्र विहार नौबस्ता कानपुर – कक्षा – ३ – स्कूल – बि० आर० एस० इंटर कॉलेज -नौबस्ता
५. वैष्णवी रॉय – पुत्री -स्व० संजीव रॉय – योगेन्द्र विहार -नौबस्ता -कानपुर – कक्षा – २ – स्कूल – बि० आर० एस० इंटर कॉलेज –नौबस्ता