आह्वानः हरेक मिथिलावासी सँ
– गणेश मैथिल, गुआहाटी
भेल शंखनाद आब युद्ध स्वराज के
शनैः शनैः जागि रहल छथि मैथिल मिथिलाधामके!
सुनैग रहल छै आगि हर मैथिलक ह्रदयमे
चाही अपन स्वराज मिथिला राज्य हर हालमे!
राम, पासवान, यादव, शर्मा, मंडल,
चाहे होइथ सिंह, चौधरी, झा, मुहम्मद
सभ एकहि माएक कोइख सँ जन्मल
सभक ह्रदय सँ मात्र एक पुकार –
“हमरा चाही मिथिला राज्य
हमरा चाही मिथिला राज्य”
समस्त अप्रवासी मिथिलावासी आ मिथिला राज्य प्रेमीगण!
कने ध्यान दियौ। “मिथिला राज्य आन्दोलन”पर.. मिथिला राज्य निर्माण सेना मिथिला राज्य लेल लड़ि रहल अछि आ मिथिलामे जनजागरण अभियान तेजी पर अछि… एहि क्रममे 8-9 नवम्बरकेँ दरिभंगामे राष्ट्रीय अधिवेशन एवं विशाल जनसभाक आयोजन होएत।
जेना हम सभ जनैत छी जे कोनो आन्दोलन लेल “तन-मन-धन” तीनू अतिआवश्यक थिक.. अतः हम अप्रवासी मैथिल सब नहि तन (बल) सँ त कम स कम मन व धन सँ त विशेष सहयोग अवस्स कय सकैत छी। अपन-अपन आर्थिक क्षमतानुसारे मातृभूमि मिथिलाकेँ बिहारक गुलामी सँ आजाद करेबाक लेल आर्थिक सहयोग जरुर कय सकैत छी...जे केयो गोटे एहि यज्ञमे सहयोग करबाक इच्छूक होइ ओ अपन स्वैच्छिक योगदान एहि निम्न खातामे जमा करा सकैत छी…
Mithila Rajya Nirman Sena
Account No.: 1004551030062009
Bank: Uttar Bihar Graameen Bank
Bithouli, Darbhanga
Ifsc code CBIN0R10001
फेर ध्यान राखब जे माए मिथिला करैथ विलाप, जागू जागू यौ मैथिल संतान। धन्यवाद!!