रेणु केर धरती पर मिथिला राज्य अभियानीक दुइ दिवसीय दौरा

फारबिसगंज, अगस्त २७, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

mrns darbhanga chaluमिथिला राज्य निर्माण सेना अपन स्थापनाकाल सँ एकमात्र लक्ष्य ‘संविधान मे मिथिला केँ सम्मान’ हेतु जनजागरण हेतु सदिखन आगू बढैत देखा रहल अछि। २०१३ मे तीन टा यात्रा सँ विभिन्न पश्चिमी, मध्य ओ दक्षिणी जिला केँ समेटने छल आर तेकर बाद विभिन्न चुनावक कारण यात्रा मे किछु शिथिलता उपरान्त आब पुनः अगस्त २०१६ सँ एकरा निरन्तरता मे देल गेल अछि। अगस्त ६-७ ई जनजागरण व सम्पर्क यात्राक संग मिरानिसे राष्ट्रीय महासचिव राजेश झा सीतामढी, दरिभंगा व मधुबनीक विभिन्न स्थान पर जनसम्पर्क करैत आगामी ८-९ नवम्बर दरिभंगा मे प्रस्तावित राष्ट्रीय महाधिवेशन व विशाल जनसभा लेल सबकेँ आमंत्रित करैत आगू बढैत रहला अछि। तहिना १३-१४ अगस्त समस्तीपुर ओ बेगुसराय केर विभिन्न स्थान पर आ पुनः २०-२१ अगस्त सहरसा, सुपौल एवं मधेपुरा केर विभिन्न स्थान पर जनसम्पर्क करैत अपन मूल पहिचान प्राप्ति हेतु सब केँ अनुरोध करैत यात्रा निरंतरता मे राखल गेल अछि। आइ २७ आ काल्हि २८ अगस्त ई यात्रा अररिया, पुर्णिया, किशनगंज आ कटिहार मे सम्पर्क अभियान पर रहबाक जानकारी राजेश झा करौलनि अछि। एहि यात्रा मे मैथिली जिन्दाबाद केर सम्पादक प्रवीण नारायण चौधरी सेहो संग रहता।

प्रसिद्ध फणिश्वरनाथ रेणुक एहि धरती पर मिथिला राज्य पुनर्निर्माण हेतु जनसम्पर्क मे पूर्व विधायक लक्ष्मी मेहता, पूर्व सांसद सुखदेव पासवान सहित अन्यान्य राजनीतिकर्मी संग-संग डा. भुवनेश व विभिन्न विद्वान् बुद्धिजीवी लोकनि संग सम्पर्क करैत अभियान लेल आशीर्वाद आ सहयोगक अपेक्षा राखल जेबाक जानकारी भेटल अछि। प्रसिद्ध जननेता सरयू मिश्र केर गाम भदेश्वर मे सेहो ई अभियान पहुँचत आ डा. शंभुनाथ मिश्र सहित अन्य जमीनी नेतागण सँ अपन मूल पहिचान हेतु संघर्ष मे सहयोग लेबाक याचना कैल जायत, राजेश झा जानकारी देलनि। अररिया, बहादुरगंज, पुर्णिया ओ कटिहार धरि यात्रा कैल जायत।