विचार
– अनिल झा, खैरका
मिथिला राज्य केर माँग लेल अन्दोलनरत आन्दोलनी सब सँ आम जनता केर ई आग्रह बराबर सुनय मे अबैत अछि जे अपने सब जे फराक-फराक गूटबाजी करैत छी से एकठाम भऽ कऽ एहि लड़ाई केँ लड़ू । मुदा हमर कहब अछि जे अपने सब जतय छी ओतै स लड़ाई लड़ैत रहू, मुदा लड़ाई केर स्वरुप बदलू । किछु एहन करू जे जनता केँ बुझाइक जे ई सब हमरा लोकनिक शुभचिंतक छैथ । संगहि जनता केँ लाभ सेहो होइक तेहेन प्रयास अवस्स करू ।
आब अशोक पेपर मिल आ रैयाम चीनी मिल केर राजनीती बहुत भेल । मूल्यांकन करू की भेटल ? नै भेटल ? ओहि स नीक पंचायत स्तर स आंदोलन शुरू करू। सब स पहिल पौदान भ्रष्टाचार केर अछि । ओहि पर प्रहार करू। जनता केर छोट-छोट काज जे पंचायत अपन लाभ नहि बुझि टाइर दैत अछि आर ओहि काज लेल जनता केँ दलालक फेरी मे पड़य पड़ैत अछि ताहि सँ बचाउ । पंचायत पर दबाव बनाउ जे जनता केर काज बिना कोनो परेशानी आ उगाही केँ पंचायत स्तर स करबा देल जाय ।
तहन ब्लॉक पर धावा दियऽ । ओतय सँ दलाल सब केँ खेहारु । जे कर्मचारी घुस मांगैथ ओकरा सबक सिखाउ । निगरानी विभाग अपनेक मदद लेल ठाढ अछि । गाम में कोनो ठीका केर काज होएक ओहि मे ततपर भऽ स्टीमेट केर अनुकूल काज करबाउ। दू चाइर गो केँ कमिसन लैत पकड़बाउ ।
जँ ओहु स बेसी आ पैघ काज करय चाहैत छी त मिथिला केर छोटछीन शहर सभक डॉक्टर सबहक मनमानी पर रोक लगाउ । जांच घर सँ, दबाई सँ भेटयवला कमिसन केँ बन्द करबाउ । सरकार सँ कहिकय जाँचघर मे आमजन केँ देखेबाक हिसाबे जांचक रेट चार्ट टँगबाउ ताकि कमिसन केर जगह नहि बँचय ।
जँ कोनो मिथिला आंदोलन केनिहार गुट हमर एहि विचार पर अमल कय आगू बढ़ैत छी त विश्वासक संग कहि सकैत छी जे राताराती लोक अपनेक संग जुड़ि जायत आर वैह गूट असल मिथिलाक गूट बैन जायत। इ हमर निजी विचार अछि । जरूरी नहि जे अपने पूर्णतः सहमत होइ । तथापि धरातल पर जे सत्य प्रतीत भेल से एहि मे राखल अछि ।