विशिष्ट व्यक्तित्व परिचयः डा. रमानन्द झा रमण
साभारः विदेह मे प्रकाशित परिचय मुताबिक
जन्मः जनबरी ०२, १९४९ ई.
शिक्षा – एम.ए., पीएच.डी.,
आजीविका – भारतीय रिजर्व बैंक, पटना (सेवा निवृत्त)
प्रकाशन: मौलिक- समीक्षा
1. नवीन मैथिली कविता, 1982,
2. मैथिली नऽव कविता,1993,
3. मैथिली साहित्य ओ राजनीति, 1994,
4. अखियासल, 1995,
5. बेसाहल, 2003,
6. भजारल, 2005.,
7. निर्यात कैसे शुरू करें? हिन्दी – रिजर्व बैंक, पटनाक प्रकाशन सम्पादित
8. मैथिलीक आरम्भिक कथा, 1978 समीक्षा,
9. श्यामानन्द रचनावली, 1981,
10. जनार्दनझा‘जनसीदनकृत निर्दयीसासु (1914) आ पुनर्विवाह(1926), 1984
11. चेतनाथझाकृत श्रीजगन्नाथपुरी यात्रा (1910), 1994,
12. तेजनाथ झाकृत सुरराजविजय नाटक (1919), 1994,
13. रासबिहारीलाल दासकृत सुमति (1918),1996,
14. जीबछ मिश्रकृत रामेश्वर (1916), 1996,
15. भेटघाँट (भेटवार्ता), 1998,
16. रूचय तँ सत्य ने तँ फूसि, 1998
17. पुण्यानन्द झाकृत मिथिला दर्पण (1925), 2003,
18. यदुवर रचनावली (1888-1934) 2003
19. श्रीवल्लभ झा (1905-1940)कृत विद्यापति विवरण, 2005,
20. मैथिली उपन्यासमे चित्रित समाज, 2003,
21. पण्डित गोविन्द झाः अर्चा ओ चर्चा, 1997 प्रबन्ध सम्पादक,
22. कवीश्वर चेतना, 2008, चेतना समिति, पटना अनुवाद
23. मौलियरक दू नाटक, 1991, साहित्य अकादमी,
24. छओ बिगहा आठ कटठा, 1999, साहित्य अकादमी,
25. मानवाधिकार घोषणा Universal Declaration of Human Rights २००७ (यूनेसको),
26. राजू आ’ टाकाक गाछ, 2008
रिजर्व बैंक -वित्तीय शिक्षा योजना केर अन्तर्गत पत्रिका सम्पादन–सह–सम्पादनः
- प्रयोजन, 1993 (मासिक),
- कोषाक्षर (हिन्दी)1982,
- घर बाहर, त्रैमासिक,
चेतना समिति, पटना कार्यशाला
1. National Workshop on Literary Translation, – Dec 20.1991 to January 12, 1992, Sahitya Akademi, New Delhi
2. Bonds Beyond the Borders ( India-Nepal civil society interaction on Cross Border issues) – Consulate General of India, Birgunj, Nepal and B.P.Koirala India-Nepal Foundation-May 27-28, 2006
2.Preparation of Intensive Course in Maithili- ERLC, Bhubneswar जूरी 6th Inter National Maithili Drama Festival, 1992 -Biratnagar, Nepal
पुरस्कार– सम्मान
1. जार्ज ग्रियर्सन पुरस्कार, 1994-95, राजभाषा विभाग, बिहार सरकार, मैथिली नऽव कविता पुस्तक पर,
2. भाषा भारती सम्मान, 2004-05 छओ बिगहा आठ कटठा,(अनुवाद) CIIL, मैसूर। – सम्पादक।
वर्तमान सन्दर्भः साभार मलय नाथ मंडन द्वारा फेसबुक पर आदरणीय स्रष्टा डा. रमानन्द झा रमण प्रति सौहार्द्रक संग हुनकर व्यक्तित्व पर प्रकट उद्गारः
“दोसर “कीर्ति कुम्भ”मे आठो कीर्ति पुरुष पर उद्बोधन दैत।
फोटो मे उपस्थित छथि एक दिस सँ डॉ0 विश्वेश्वर मिश्र, डॉ0 मुरलीधर झा, डॉ0 रामजी ठाकुर, डॉ0 खुशीलाल झा, डॉ0 जगदीश मिश्र और डॉ0 अशोक अविचलजी।
एहि अवसर पर डॉ0 विश्वेश्वर मिश्र आ डॉ0 मुरलीधर झा केँ कवीश्वर चन्दा झा आ महाकवि पं0 लाल दास पर विशिष्ट अध्ययन व साहित्य सृजन लेल दुहू बिद्वान केँ “कृतग्य साहित्याङ्गन सम्मान” सँ सम्मानित कयल गेल छल।
एहि सम्मानक पहिले पहिल शुरूआत कयल गेल अछि।”
विशेष जानकारीः डा. रमण केँ जँ मैथिली भाषा-साहित्य केर चलैत-फिरैत इन्साइक्लोपेडिया कहल जाय तऽ अतिस्योक्ति नहि होयत। – संपादक