मधुबनीक जयनगर मे संपन्न भेल सामूहिक विवाह समारोह

समाचारः साभार मनीष कर्ण, जनकपुरधाम सँ – मार्च २, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद

जयनगर मे आठ जोड़ा वर-वधुक नि:शुल्क बिआह सम्पन्न: चारिम सामुहिक वरवधु विवाहोत्सव समारोह

saamoohik vivah jaynagarएक दिशि समाज मे दहेजक कुप्रथा सँ आक्रान्त लोकमानस अछि ओत्तहि दोसर दिशि समाधानक दिशा मे विभिन्न डेग सेहो बढाओल जा रहल अछि। एहने एकटा समाधानक उपक्रम सामूहिक विवाह कार्यक्रम जयनगर मे संपन्न भेल अछि। आठ गोट जोड़ा (वरवधु) केर सामुहिक विवाह आयोजना कएल गेल अछि।

जयनगरक कमला रोड स्थित आर्य कुमार पुस्तकालय परिसर मे समाजिक संस्था ओम जय माता दी सेवा समिति द्वारा आयोजित “चारिम सामुहिक वर-वधु विवाहोत्सवक” उद्घाटन सत्र मे जम्मु कश्मीर कटरा केर सीआरपीएफ 06 बटालियनक कमान्डर सुनील कुमार, एसएसबी 14म बटालिन कमान्डेट अजीत कुमार सिंह, एसएसबी सुमन महासेठ, एमएलए समीर महासेठ, पुर्व विधायक अरुण शंकर, राज्य खाद्य आयोग सदस्य कमल करोडी, एसडीओ गुलाम मुस्तफा अंसारी, अनुमंडल पुलिस अधिकारी चंदन पुरी, सरदार कृपाल सिंह सहित बहुतरास अतिथी लोकनि दीप प्रज्वलन करैत एहि समारोहक समुद्घाटन कएने छलाह।

saamoohik vivah jaynagar3चतुर्थ सामुहिक विवाहोत्सव अन्तर्गत आठ गोट वरवधु सभकेँ सयकडों गणमान्य व्यक्तित्व द्वारा सफल दाम्पत्य जीवनक आशीर्वाद देल गेल। ताहिना कार्यक्रम मे संस्थाक सदस्य एवं हुनका लोकनिक धर्मपत्नी द्वारा वरवधु सभ केँ आरती सेहो उतारल गेल। तहिना पंडित सभ मंगलाचरण पाठ सेहो केने छलाह। साँझ मे वर सभक सामुहिक बराती गाजाबाजा सहित नगर घुमाओल गेल छ्ल। कार्यक्रम मे संस्थाक अरुण जैन कहलाह– “ओम जय माता दी सेवा समिति”क स्थापना 2000 ई. मे भेल आ हमर सभक संस्था समाजिक क्षेत्र सभ मे महत्त्वपूर्ण योगदान दैत आयल अछि। ओ कहलन्हिं – “हम संस्थाक सदस्य लोकनि के मने मन संकल्प कराबय चाहब जे नैतिकता, नशामुक्ती आ सद्भावना परऽ सब कियो सदिखन कार्य करैत रहैथ। तहिना ओ नव विवाहित जोडी सभके भ्रुण हत्या नै करबाक लेल संकल्प करौलन्हि।

saamoohik vivah jaynagar2सचिव विश्वम्भर बंका कहलैन्हिं जे – “एहि संस्था द्वारा वर्ष 2010 में 7 गोटेक, 2016 में 16, 2012 में 12 आ 2014 में 11 गोटे जोडी सभक विवाह कराओल जा चुकल अछि। अप्पन संस्थाक सदस्य सभ सँ आग्रह करैत ओ कहलखिन जे एकटा गरीब बच्चाक पढाइ लिखाइक जिम्मा हरेक सदस्य उठाबैथि जाहि सँ ओहो सब भविष्य में पढिलिखि किछु बैनि सकैछ।

सदस्य केर लेल प्रशंसापत्र वितरण संस्थाक दिस सँ कएल गेल छल। हेल्लो मिथिला सांस्कृतिक समूह द्वारा शुरुआत में स्वागत गीत सं समस्त अतिथि सभक स्वागत करैत सुन्दर गान केर प्रस्तुति देल गेल। ताहि अवसर पर निर्देशक राजु गुप्ता, विजयकुमार प्रसाद, कुमार रोमियो नायक, दीपक खड्का, संजय मंडल, ध्रुव नरायण साह, सबल राउत साथै जयनगर चैम्बर अँफ कँमर्सक अध्यक्ष अखिलेश्वर सिंह, महासचिव संजीव बरौलिया आ विनोद सुरेका सहितक उपस्थिति रहल छल।

दहेज व फजुल खर्चक विरुद्ध जागरुक होयबाक आवश्यकता

saamoohik vivah jaynagar1ओम जय माता दी सेवा समिति द्वारा विगत कतेको वर्ष सऽ होएत आबि रहल नि:शुल्क सामुहिक विवाहोत्सव समारोह कार्यक्रम सँ समाज मे सकारात्मक संदेश जा रहल अछि। गरीब, असाहय आ विपन्न वर्ग लेल तऽ ई कार्यक्रम वरदान साबित भ रहल अछि, ई बात उद्घाटन सत्र मे सोम दिन वक्ता सभ बाजल छलाह।

जयनगरक पदाधिकारी गुलाम मुस्तुफा अंसारी सभा केँ संबोधित करैत बजलाज जे समाज में विआह कऽ देनाइ एक हज बराबर होएत अछि। तहिना संस्थाक सदस्य आ समपुर्ण जयनगरवासी सेहो सहभागी वर-वधू केँ बधाई तथा शुभकामना सेहो देने छलाह।

विवाहोत्सव समारोह में संस्थाक दिशि सँ वर-वधुक लेल जीवनोपयोगी सामान सभ सेहो उपहार स्वरूप देल गेल छल। हरेक कनियाँक वास्ते ५ जोड साडी, बिआहक लेल लहंंगा, मंगलसुत्र, नाकक गहना, चाँदीक पायल, सिँगारक समान, सहित अन्य दैनिक उपयोगी समान सभ प्रदान कयल गेल। तहिना वरक लेल शेरवानी, घडी, जुत्ता सहित अन्य समान सभ संस्थाक दिस सऽ देल गेल छल।