विमेन अफ वर्थ लेल मिथिलाक बेटी जया झा नामित

परिचयः विशिष्ट व्यक्तित्व ‘जया झा’

iit girl pothiजया झा एकटा लेखिका आर वक्ता छथि, जिनकर तीन कविता संग्रह आर एकटा उपन्यास प्रकाशित छन्हि। जया मार्केटिंग तथा स्ट्रेटेजी मे आइआइएम लखनऊ सँ एमबीए तथा आइआइटी कानपुर सँ बी टेक केने छथि। संगहि पोथी-डट-कम केर सह-संस्थापक सेहो छथि जे बाजार, वित्त तथा दिन-प्रति-दिनक कार्यभार सम्हारैत छथि। गूगल ईन्डिया मे प्रोडक्ट मैनेजमेन्ट मे सेहो पहिने कार्य कय चुकल छथि। २००८ मे पोथी-डट-कम केर आरम्भ केलीह।

पोथी-डट-कम द्वारा माँग केला पर कोनो प्रकाशित पोथी उपलब्ध कराओल जाएछ। एखन धरि करीब २००० लेखक एहि पर अपन लेख प्रकाशित करा चुकल छथि। भारतक विभिन्न भाग सँ ई लेखक सब अपन-अपन लेख रचना पोथी-डट-कम पर उपलब्ध करबैत छथि। एहि पर विभिन्न भाषा मे प्रकाशन कार्य कैल जाएछ। एहि पर वैश्विक स्तर सँ मात्र परिवार, मित्र व केवल व्यक्ति मात्र तक वास्ते आलेख समेटल जाएछ। एहि पर नवतुरिया लेखक केर प्रकाशन मे सहजता भेलाक कारण एकटा नीक अवसरक रूप मे एकर मान्यता स्थापित अछि। एहि पर कियो अपन पोथीक प्रकाशन अत्यन्त न्युनतम दाम पर प्रकाशित करा सकैत छथि।

जया झा केँ विमेन अफ वर्थ अवार्ड – साहित्य प्रभाग लेल नामित कैल गेलनि अछि। हिनका वोट करबाक लेल एतय क्लीक कय सकैत छीः  http://sites.ndtv.com/women-of-worth/login-page/

विदित हो जे ई सम्मान सामाजिक कार्य केर क्षेत्र मे देल जाएछ। जमीनी विकास लेल कैल गेल उल्लेखनीय कार्य लेल ई सम्मान देशक बेटी केँ देल जाएछ। एहेन प्रगतिशील कार्य जाहि सँ जीविकोपार्जनक संग-संग शिक्षा, स्वास्थ्य क्षेत्र मे योगदान केँ देखल जाएत अछि। लैंगिक विषमता केँ दूर करबाक प्रयास केर प्रोत्साहन हेतु ई सम्मान उपलब्ध कराओल जाएछ।

मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ जया झा केँ सम्मान भेटय एहि लेल शुभकामना दैत समस्त पाठकवर्ग मे मिथिलाक बेटी केँ अहिना उच्च सफलताक दिशा मे प्रोत्साहित करबाक अपील अछि।