मैथिली रंगमंचक उद्घोषणाक नवल युगल रूप : किसलय कृष्ण आ जानवी झा
– शिव कुमार झा, जमशेदपुर
परुँका साल मैथिली नववर्षक सुअवसरि छल . अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद जमशेदपुर शाखा द्वारा रंगारंग कार्यक्रमक आयोजन भ’ रहल छल . एकटा गायकक रूपेँ हमरा निमंत्रित कएल गेल. अपन कर्मभूमिक मंच ! बहुत उत्सुकता छल .
हमरा पहिनहि ई ज्ञात रहय जे श्री किसलय कृष्ण जी मंच संचालक छथि . कार्यक्रमक पश्चात हम आयोजन समिति केँ धन्यवाद देलियनि . किएक त’ हिनक उद्घोषणा कनेक हटि क’ लागल . व्यक्तिगत रूप सँ हम हिनका सं बेसी परिचित नहि छलहुँ , मुदा मंच पर हिनक उद्घोषणा बहुत सारगर्भित लागल.
एखन ई मैथिलीक नवांकुर प्रतिभा श्रीमती जानवी झाक संग युगल रूपेँ उद्घोषणाक क्षेत्र मे रास क्रियाशील भेल छथि . श्री किसलय कृष्ण जी एकटा बहुचर्चित व्यक्ति छथि , विशेष क’ क’ मिथिलाक मैथिली गीतक संग संग सांस्कृतिक विकास मे हिनक भूमिका कोनो अर्थे न्यून नहि मानल जाय .
हिनक जन्म १३ दिसंबर १९७९ केँ सहरसा जिलाक भकुआ ग्राम मे भेलनि . ई दिल्ली विश्वविद्यालय सँ हिन्दी साहित्य मे स्नातकोत्तर छथि . चलचित्र निर्माण मे डिप्लोमा कयने छथि . हिनक साहित्यिक कृतिक रूपेँ पहिलुक कृति कथा ” अंतर्जाल ” जखन तखन मे प्रकाशित भेल .
एखन धरि हिनक लेखनी सँ करीब २०० गीतक रचना भेल अछि .. करीब २ साल धरि मैथिलीक चैनल सौभाग्य मिथिला क झारखण्ड प्रभारी रहलाहें . परिकल्पना नामक फिल्म पत्रिकाक संपादक किसलय कृष्ण जी बहुत रास डक्यूमेंटरी क निर्देशन सेहो कयने छथि . किछु एल्बम केँ अपन स्वर मे स्वरबद्ध कयलाक बाद उद्घोषणा हिनक नव विधा छन्हि . किछुए दिन मे हिनका बहुत रास मंच एक उद्घोषकक रूप मे स्वीकृति देलक अछि .
श्रीमती जानवी झा हिनका संग अपन सुमधुर वाणी मे उद्घोषणाक क्षेत्र मे प्रवेश क’ रहलीहें . एखन नवांकुर छथि , बहुत रास तत्वक ज्ञानक आवश्यकता छथि मुदा संभावना छन्हि . जानवीक जन्म १९९२ मे महोत्तरी नेपाल मे भेलनि . हिनक सासुर सीतामढी जिलाक बथनाहा गाम अछि . मेड इन मिथिला ( डी. डी. बिहार सँ शीघ्र प्रदर्शित ) क सप्रस्तोता छथि. एफ. एम. मे समाचार वाचिका छथि , बहुत रास एड फिल्म मे अभिनय कयने छथि , तें मंचक लक्षणा ओ अभिव्यंजना केँ बुझबा मे जानवी केँ बेसी काल नहि लगतनि…अपन क्रियाशीलता केँ निरंतर राखथि .
दूनू गोटे प्रतिभा संपन्न छथि आ वर्तमान परिपेक्ष्य मे उद्घोषणा विधा केँ एहि तरहक नवल रूपक खगता अछि …अनंत शुभकामना !!!!!!!!!!!!!!!!!