साभार फेसबुक
फेसबुक पर सर्वाधिक लोकप्रिय ग्रुप ‘हम सब मैथिल छी’ केर एडमिन सुनीत ठाकुर जे इंद्रप्रस्थ मैथिल संघ केर सचिव सेहो छथि, ओ खबरि केलनि अछि जे सामूहिक कन्यादान १४ फरबरी केँ रोहिणी (दिल्ली) मे होयत। एहि मे निर्धन परिवार वा कम आर्थिक आमदनीवला परिवारक कन्याक कन्यादान संस्था अपन पाइ सँ कराओत। बरियातीक स्वागत, खान-पान, पंडाल, विवाह खर्च ई सब बातक व्यवस्था आयोजक संस्था इंद्रप्रस्थ मैथिल संघ द्वारा कैल जायत। श्री ठाकुर द्वारा निम्न पोस्ट कैल गेल अछि जाहि मे आम जनमानस सँ सहयोगक अपील सेहो कैल गेल अछि।
” सामूहिक कन्यादान”(14-02-2016)
=======================
“इंद्रप्रस्थ मैथिल संघ”, रोहिणी , दिल्ली , अप्पन सामाजिक कर्त्तव्य के क्षेत्र में एक डेग आर आगू बढ़बैत , पिछला साल एक टा कन्यादान के आयोजन केने छल ! एहि साल “सामूहिक कन्यादान” के कार्यक्रम राखल गेल अछि ! एहि कार्यक्रम के अंतर्गत आर्थिक रूप सअ कमजोर परिवार के कन्या के विवाह के खर्च संघ द्वारा कायल जाइत अछि ! विवाह के अवसर पर सब प्रकार के व्यवस्था कायल जाइत अछि , जे एक टा संपन्न परिवार विवाह में करैत अछि ! अपने सब एहि “सामूहिक विवाह” में आमंत्रित छी 14 फ़रवरी (रबिदिन ), अवश्य आबू आ वर – वधू के आशीर्वाद दी ! एहि महान कार्यक्रम में समाज के सब वर्ग सअ सहयोग अपेक्षित अछि , जाहि में अपेक्षाकृत संपन्न समाज सअ सहयोग के विशेष अपेक्षा रहत ! पिछला साल के “कन्यादान” के शानदार आयोजन के झलक देखल जाय और आयोजन कर्ता के हौसला बढ़ायल जाय ! जौं अपने कोनो एहन आर्थिक रूप सअ कमजोर परिवार के जानैत छी , जे एहि कार्यक्रम के लेल उपयुक्त छैथ , अवश्य सूचित करी ! कोनो प्रकारक आर्थिक वा अन्य सहयोग के लेल हमरा सअ संपर्क (9891085565 , [email protected] ) कअ सकई छी ! संस्था के आजीवन सदस्यता के शुल्क मात्र 1001/= (एक हज़ार एक टाका ) अछि , अवश्य बनू ! ओना सहयोग राशि 101/= सअ, अप्पन सुविधानुसार दअ सकैत छी !
सुनीत ठाकुर (संगठन सचिव , इंद्रप्रस्थ मैथिल संघ )
श्री अजय चौधरी (अध्यक्ष 8744002911)
श्री टी. एन. झा (महासचिव 9971095407)
श्री अजीत कु. सिंह (कोषाध्यक्ष 9873783357)
श्री आमोद झा (उपाध्यक्ष 9873805181)
जय मिथिला ! जय मैथिली ! जय माँ जानकी !
ई पुनीत कार्य मे सब कियो बढि-चढिकय भाग ली, यैह अनुरोधक संग एहि समाचार केँ कानो-कान सब तैर पहुँचेबाक अनुरोध सेहो करैत छी।
– संपादक