नागदह , मधुबनी में विद्यापति स्मृति पर्व समारोह संपन्न
फोटो फीचर सहित विस्तृत रिपोर्ट
– संजय झा “नागदह ”
मधुबनी जिलाक नागदह गाम में द्विदिवसीय विद्यापति स्मृति पर्व समारोह आ सांस्कृतिक कार्यक्रम यैह 12 आ 13 दिसम्बर क’ महाकवि केर स्मृतिक संग भव्यतापूर्वक सम्पंन्न भेल।
कार्यक्रमक उद्घाटन मुख्य अतिथि विधान पार्षद श्री रामप्रीत पासवान, बेनीपट्टीक पूर्व विधायक श्री विनोद नारायण झा संयुक्त रूप सँ दीप प्रज्वलित कए केलनि। तदोपरान्त मिथिलाक सुप्रसिद्ध स्वनामधन्य स्वर कोकिल श्री कुँज बिहारी मिश्र पारम्परिक गीत जय – जय भैरवि, मंगलाचरण और स्वागत गीत सँ कार्यक्रमक शुभारम्भ कयलन्हि।
एकर पश्चात मुख्य अतिथि ओ अन्य अतिथि लोकनि केँ पाग – दोपटा इत्यादि सँ स्वागत कएल गेलन्हि। एहि ठाम पारम्परिक रूपेँ सब साल एक प्रसिद्ध व्यक्ति केँ सम्मान देल जाइत छलनि मुदा ई समारोह में बहुत बेसी अन्तराल भ गेलैक। वर्ष 1989 केर आस – पास धरि प्रायः विद्यापति स्मृति पर्व मनायल जाएल करैत छल मुदा कालक एहन चक्र चलल जाहि सँ ई कार्यक्रम में बड्ड बेसी अन्तराल भऽ गेल।
वर्ष 2013 में 25 दिसम्बर क’ बिना कोनो आडम्बर केँ स्वर्गीय नृपेंद्र झाजिक संयोजन में “डॉ सुभद्रा झा विद्यापति विचार मंच ” केर नाम सँ पुनः शुरुआत कएल गेल मुदा तैयो 2014 में नहि भ सकल कारण हुनक आकस्मिक निधन भ गेल। ओहि पुरान विचार केँ ध्यान रखैत एहि बेर श्री कुँज बिहारी मिश्र जीकेँ हुनक कैसेट “राम विवाह” गीत के लेल जे मिथिलाक सब वर्ग आ वर्णक लोक सब दिन आ खास क’ विवाह इत्यादि में सुनल करैत अछि आ मिथिला में एहि गीतक खूब प्रसंसा होइत अछि ताहि लेल हुनका एहि मंच सँ “मिथिला गीत मार्तण्ड” सम्मान सँ सम्मानित कएल गेलन्हि।
12 दिसम्बर क कार्यक्रम तीन चरण में छल। पहिल चरण में उद्घाटन, स्वागत आ विद्वत जनक विचार दोसर चरण में कवि सम्मलेन आ तेसर चरण में श्री महेंद्र मलंगिया जीक लिखल नाटक “छुतहा घैल ” क मंचन।
पहिल चरण में पूर्व विधायक श्री विनोद नारायण झा विद्यापतिक जीक मिथिला – मैथिलीक लेल कतेको योगदान पर विस्तृत ध्यानाकर्षित करौलाह। तकरबाद श्री रामप्रीत पासवान जी, मिथिला विश्वविद्यालयक प्रोफ़ेसर श्री फूलधारी सिंह प्रभाकर अपन अभिभाषण में कहलाह जे प्राप्त अभिलेख केर अनुसार विद्यापतिक अवसान 94 वर्षक आयु में भेलन्हि। पूर्व जिला परिषद् अध्यक्ष श्री शतीश चन्द्र झा, कांग्रेस जिला अध्यक्ष श्री शीतलाम्बर झा, ए० आई० एस० एफ० राज्य सचिव श्री विजय मिश्र जी अपन विचार रखैत कहलाह जे मिथिला – मैथिलीक प्रति चिंतन सिर्फ विद्यापति स्मृति समारोह में कएला सँ कोनो विशेष लाभ नहि बुझना जाइछ अपितु एहि लेल सब वर्गक – वर्णक लोक आगा बढ़ि ध्यान देथु आ अपना – अपना बाल – बच्चा के मिथिला – मैथिलीक बोली, लिपिक संग संस्कार सँ सेहओ सिंचथि ।
प्रसिद्ध साहित्यकार श्री उदय चन्द्र झा “विनोद”, आ कार्यक्रमक अध्यक्ष, साहित्यकार, मिथिलाक गौरव , स्वनामधन्य नागदह जिनक जन्म डॉ श्री बुद्धिनाथ झा सेहो अपन विचार एहि मंच के मादे परसलाह।
दोसर चरण में कवि सम्मलेन छल जाहि में करीब बीसो टा कवि लोकनि भाग लेने छलाह जकर संचालनक जिम्मा कवि श्री अजीत आजाद सम्हारलनि। एहि कवि गोष्ठी में काव्य धारा देखिते आ सुनिते बनैत छल। अजीत आजाद केर कविता डिगडियीया बजबऽ दे रे डिगडियीया बजबऽ दे दर्शक लोकनि के खूब पसिन अयलन्हि। ओना त सब कियो एक पर एक छलाह मुदा मुख्य रूप सँ श्री अर्जुन कविराज, श्री उदय चन्द्र झा “विनोद”, श्री बौआ झा, श्री बुद्धिनाथ झा केर उपस्थिति उल्लेख्य छल।
तेसर चरण राति करीब 9 बजे सँ श्री महेंद्र मलंगियाक लिखल नाटक “छुतहा घैल” केर मंचन प्रारम्भ भेल। एहि नाटक केर मंचन शिक्षक श्री नन्द कुमार झाक निर्देशन में कएल गेल। जाहि में कलाकार विद्यानंद झा (विनय झा ), भास्कर मिश्र, हर्षू झा, रंजीत झा, टेकन झा, रतन झा, सरोज झा, भगवान झा, चन्दन झा, अमित झा, भालचंद्र झा आर नवल मिश्र कलाकारक रूप मे भाग लेलनि।
दोसर दिन अर्थात् 13 दिसम्बर केर राति में सांस्कृति कार्यक्रमक आयोजन छल । पूर्व विधायक विनोद नारायण झा एहि कार्यक्रमक सेहो उदघाटन केलाह आ तकर वाद सांस्कृति कार्यक्रम राति भरि चलल। एहि कार्यक्रम में मुख्य रूप सँ कुञ्ज बिहारी मिश्र, राम बाबू झा, सुरेश – पंकज, नन्द जी, राजनिति रंजन, पूनम मिश्रा, पुष्कर भारती, दुर्गा नाथ झा हास्य कलाकार राम सेवक ठाकुर छलाह जे दर्शक लोकनि केँ भरो राति बिना रस्सियेक बान्ह अपन रसगर प्रस्तुति सँ बान्हि रखने छलाह आ कतेको गामक लोक केँ अपन मिठगर, रमनगर गीत सँ आनन्दित कएलन्हि।
नृत्य कलाकार अजय आ नीलू सेहो नेपाल सँ आयल छलीह जिनका दर्शक लोकनि सँ खूब यश प्राप्त भेलन्हि। गायक लोकनि केँ म्यूजिक देलखिन राजनिति रंजन केर टीम जाहि में ध्रुव नारायण, राम आशीष, विपिन, रणजीत, दीपक आ अशोक छलाह।
कार्यक्रमक मुख्य संयोजक भास्कर मिश्र छलाह जाहि में समस्त ग्रामीण गाम सँ बाहर धरिक पूर्ण सहयोग प्राप्त छलनि आ कहला जे प्रयास रहत जे ई कार्यक्रम में निरंतरता बनल रहय ताहि लेल हम समस्त ग्रामीणक संग प्रयासरत रहब।
कार्यक्रम केर अन्त में कार्यक्रमक अध्यक्षता कएनिहार वयोवृद्ध ग्रामीण अभिभावक कृषदेव झा अपन शब्द रखैत धन्यवाद ज्ञापन केलन्हि।

8 Comments
BAHUT SUNDER
बड्ड सुन्नर
bahut nik lagal bhai g…
बहुत सुंदर समुह नागदह गांव के बहुत बहुत बधाई हो। शशि भूषण झा
Bahut nik baat achhii, Jai Mithila Jai Maithily
अति सुंदर, बहुत बहुत बधाई कुंजबिहारी जी क़े…
अति सुंदर, बहुत बहुत बधाई…
अति सुंदर, बहुत बहुत बधाई